Breaking-News

पूर्वराजा ज्ञानेन्द्र जनकपुरमे

Please follow and like us:

जनकपुरधाम फागुन ३० गते । मधेशक राजनीतिक पेचिला भऽ रहल समय पूर्वराजा ज्ञानेन्द्र शाह मधेश भ्रमणमे निकलि रहल छथि । अपन मधेश भ्रमणके क्रममे पूर्वराजा शाह बुधदिन साँझ जनकपुर पहुँचल छथि । झापाक दमकसँ मधेश भ्रमण शुरु कएने शाह सडक यात्रा करैत जनकपुर पहुँचल छथि ।
रेशम चौधरीकेँ जन्मकैद, राजपाद्धारा सरकारसँ समर्थन फिर्ता, सिके राउतक रिहाइ आ ओहिके बाद ११ सुत्रीय सहमतिसहितक राजनीतिक गोलचक्करमे मधेशक राजनीति घुमि रहल समय पूर्व राजा शाहक भ्रमणकेँ अर्थपूर्ण रुपेँ देखलगेल अछि ।
शाहक मधेश भ्रमण एखन पाँच दिनके लेल तय भेल अछि । हुनकर स्वकीय सचिव सागर तिमल्सिनाक अनुसार हुनकर वृहस्पतिदिन सर्लाहीक मलंगवा जएबाक कार्यक्रम अछि । मलंगवामे हुनकर दुर्गा मन्दिरमे पूजापाठ करबाक कार्यक्रम अछि ।
ओतहसँ फेर ओ जनकपुर घुरताह । तहिना चैत १ गते हुनकर जानकी मन्दिरमे पूजापाठ करबाक कार्यक्रम रहल जनाओलगेल अछि । जनकपुरसँ हुनकर चैत २ गते उदयपुरक गाइघाट जएबाक कार्यक्रम अछि । गाइघाटमे राधाकृष्ण मन्दिरमे पूजापाठ करबाक कार्यक्रम रहल पूर्वराजा शाह ३ गते सप्तरीक सखडा भगवती दर्शन कऽ झापा जएताह हुनकर सचिवायल स्रोत जनओलक अछि ।
एहिसँ पहिने फागुन २२ गतेसँ मधेश भ्रमण करबाक कार्यक्रम रहलाक बादो माय रत्नक स्वास्थ्यमे समस्या अओलाक बाद स्थगन कएलगेल छल । ओहि कार्यक्रमअनुसार सेहो शाहके जनकपुर केन्द्र बना कऽ धनुषा, सर्लाही, उदयपुर आ सप्तरीसहितक जिल्लासभमे अवस्थित देवी देवताक मठ मन्दिर तथा शक्तिपीठके दर्शन करबाक कार्यक्रम तय भेल छल ।
पूर्वराजा शाहक मधेश भ्रमणके धार्मिक कहलगेलाक बादो हुनकर जनमत बुझबाक अभिप्राय सेहो रहल बुझबामे आएल अछि । अनपेक्षित रुपेँ राजनीतिक अवस्था परिवर्तन भऽ रहल समय ओहिप्रति ओ मधेशी जनताक धारणा बुझबाक मनसायके महत्वके साथ देखलगेल अछि ।
मधेशमे हुनकर विभित्र व्यक्तिसभसँ भेटघाट करबाक कार्यक्रम रहल बतओलगेल अछि । सर्लाहीमे हुनकर स्वागतके लेल पूर्वगृह राज्यमन्त्री सोनेलाल यादव जुटल छथि ।
ओ जनकपुरमे सेहो विभित्र राजनीतिक दलक नेता तथा व्यक्तित्वसभसँ भेट करबालेल आन्तरिक तैयारी कऽ रहल बुझबामे आएल अछि
पूर्वराजा एहिसँ पहिने सेहो बेरबेर मधेशक विभित्र जिल्लाक भ्रमण करैत अपन समर्थसभसँ भेटघाट करैत आबि रहल छलथि ।

Have your say