News

सिके राउतके राजनीतिक मूलधारमे लाबएके नाममे राष्ट्रघाती सम्झौता कएने देउवाक आरोप

Please follow and like us:

पोखरा, फागुन २९ । नेपाली कांग्रेसक सभापति एवं पूर्वप्रधानमन्त्री शेरबहादुर देउवा सिके राउतके राजनीतिक मूलधारमे लाबएके नाममे राष्ट्रघाती सम्झौता कएने आरोप लगौलन्हि अछि ।
नेपाल प्रेस युनियन कास्की पोखरामे मंगलदिन आयोजना कएने पत्रकार सम्मेलनमे बजैत ओ देश विभाजन करएके गतिविधिसहित जनमत संग्रह मँगैत चलनाई कांग्रेसके लेल सहनिय नहि रहल बतौलन्हि । सम्झौतामे रहल बुँदा राष्ट्रघाति रहल हुनक टिप्पणी छलन्हि ।
‘सिके राउत जनमत संग्रह करएके आ देश विभाजीत करएके बात करत तऽ हमसभ एकरा कोना स्वीकार करए सकब ?’ देउवा कहलन्हि, ‘एहि विषयमे ने प्रधानमन्त्रीक खण्डन आओत , जनकपुरमे जनमत संग्रहके नारा गुञ्जत ।’
फौजदारी संहिताक नाममे देशके कन्ट्रोल करएके आ प्रेसके नियन्त्रणमे लैत अधिनायकवाददिस सरकार उन्मुख रहल ओ बतौलन्ह । ओ कहलन्हि , ‘प्रजातन्त्रमे प्रेस स्वतन्त्रता नहि भेल तऽ अधिनायकवाददिस जाएत ।’ अपना समयमे अध्यादेशमार्फत लाओलगेल चिकित्सा विधेयकके सरकार तोडमोड कएलासँ चिकित्सा क्षेत्रमे अराजकता बढल टिप्पणी सेहो ओ कएलन्हि ।
‘सरकार विभिन्न नाममे संघीयताके असफल बनाबए लागि रहल अछि । ई कांग्रेसक लेल मान्य नहि हएत,’ ओ कहलन्हि । विप्लव माओवादीक गतिविधिक विषयमे पुुछलगेल प्रश्नमे ओ देशमे हत्या हिंसा अराजकता बढलासँ एहिके नियन्त्रण कएनाई सरकारक कर्तव्य रहल बतौलन्हि ।
संसदमे प्रतिपक्षक भूमिका कमजोर देखलगेल विषयमे पत्रकारक जिज्ञासामे ओ ‘संसद् आ देश भरि सरकारक विरुद्ध बजने छि , एतेक भेलाबादो सरकार नहि सुनैत अछि । भोट देबएके समयमे एमालेके भोट देबएके एखन प्रतिपक्षक भूमिका ताकब ?’ कहि प्रतिप्रश्न कएलन्हि ।
म्याग्दीक तातोपानीमे कांग्रेसक वरिष्ठ नेता रामचन्द्र पौडेलसँग नहा कऽ एकता हएत कहि अपने नहि कहने ओ प्रष्ट कएलन्हि ।

Have your say