Breaking-News

सीके राउतके कारवाहि करए राप्रपा अध्यक्ष कमल थापाक माँग

Please follow and like us:

रुपन्देहि, फागुन २९ । राष्ट्रिय प्रजातन्त्र पार्टिक अध्यक्ष कमल थापा सीके राउतके कारवाहि करए माँग कएलन्हि अछि । बुटवलमे आयोजित पत्रकार सम्मेलनमे बजैत ओ विखण्डनके नारा लगोलाबादो राउतके कारवाहि करए नहि सकनाई सरकारक लाचारिपन रहल बतौलन्हि । सीके राउतसँग भेल ११ बुदे सम्झौता विरोधाभाषपूर्ण, रहस्यमयी आ अमूर्त रहल हुनक कहब छन्हि । सीके राउत सामाजिक सञ्जालमे प्रचार करएबला विषय आ जनकपुरक प्रदर्शनसँ सम्झौता रहस्यमयि रहल पुष्टि भेल अध्यक्ष थापाक दाबि छन्हि । वाइडबडि प्रकरणमे सत्तापक्ष आ प्रतिपक्षी दुनूके संलग्नता रहल सेहो ओ आरोप लगौलन्हि । वाइडबडी जहाज प्रकरणमे कांग्रेसक सम्लग्नता नहि अछि तऽ किए ससक्त विरोध करए नहि सकल कहैत ओ प्रश्न कएलन्हि ।

Have your say