Breaking-News

घुससहित पकराएल असई फरार

Please follow and like us:

जनकपुरधाम फागुन ०१ गते ।  महोत्तरीमे घुससहित पकराएल एक गोटे प्रहरी सहायक निरीक्षक (सई) अख्तियारके फन्दासँ फरार भऽ गेल अछि । घुससहित पकराएल औरही प्रहरी चौकीमे कार्यरत असई रामनरेश साह अख्तियार दुरुपयोग अनुसन्धान आयोगक बर्दिवास कार्यालयके टोलीको नियन्त्रणसँ फरार भेल अछि । अख्तियारक टोली असई साहकेँ १० हजार घुस रकमसहित नियन्त्रणमे लेने छल । मंगलदिन अख्तियारक टोली औरहीस्थित नवदुर्गा सःमिलसँ नियन्त्रणमे लेने छल । मुदा, ओ अख्तियारक टोलीकेँ छलि कऽ ओ भागल बताओलगेल अछि । अख्तियारक टोली औरही पहुँचला बाद साह नजदिक रहल सःमिल पहुँचल छल । अख्तियारक टोली सःमिल पहुँच कऽ सञ्चालक दिनेश साह आ असई साहकेँ नियन्त्रणमे लेने छल । दुनु गोटेकेँ नियन्त्रणमे लऽ कऽ प्रहरी चौकीतर्फ लाबएके क्रममे स्थानीयसभ अवरोध कएने छलथि । स्थानीयसभ अवरोध कऽ रहल मौका देख कऽ दुनु गोटे फरार भेल बताओलगेल अछि ।
महोत्तरीके प्रमुख जिल्ला अधिकारी उमेश ढकाल फरार भेल असईके खोजी भऽ रहल बतओलन्हि । नेपाल प्रहरी आ सशस्त्र प्रहरीके टीम परिचालन कऽ कऽ असई साहके खोजी भऽ रहल ढकाल बतओलन्हि । ‘स्थानीयसभ अवरोध कएने मौका देख कऽ ओ भागएमे सफल भेल अछि,’ ढकाल कहलन्हि,‘विभित्र स्थानमे चेक प्वाइन्ट राखलगेल अछि । सीमावर्ती क्षेत्रक प्रहरीसँग सेहो हमसभ सम्पर्कमे छी । ओ जल्दिए पकराएत ।’

Have your say