Breaking-News

जखनि आएल स्वास्थ्यमन्त्री यादवकेँ मनिषाक निधनके खबर

Please follow and like us:

जनकपुरधाम फगुन ०१ गते । उपप्रधान तथा स्वास्थ्यमन्त्री उपेन्द्र यादव मंगलदिन जनकपुरेमे छलथि । मन्त्री यादवक धनुषामे स्वास्थ्य बीमा कार्यक्रम शुभराम्भ करबाक कार्यक्रम छल । दुपहर १ बजेके लेल तय कएलगेल कार्यक्रममे यादव करिब एक घण्टा देरसँ पहुँचल छलथि ।जनकपुरक मत्स्य तालिम केन्द्रक सभाहलमे प्रदेश २ क मुख्यमन्त्री लालबाबु राउत, जनकपुरक मेयर लालकिशोर साहसहितक व्यक्तिसभ यादवकेँ प्रतिक्षा कऽ रहल छलथि ।
उपप्रधान तथा स्वास्थ्यमन्त्री यादव सभाहलमे प्रवेश कएलाक तुरन्तबाद स्वास्थ्य बीमा बोर्ड आयोजना कएने कार्यक्रमक उद्घोषक कार्यक्रम आरम्भ कएलन्हि । उद्घोषक प्रमुख अतिथि यादवसहित ड्यासमे बैसल सभ अतिथिकेँ ब्याज लगा कऽ सम्मान करबालेल कहलन्हि ।
ओतबेमे स्वास्थ्यमन्त्री यादवक मोबाइल फोनक घण्टी बाजल । आ, प्रमुख अतिथिके ब्जाज सेहो नहि लगा कऽ ओ हलसँ बाहर निकलि गेलथि । स्वास्थ्यमन्त्री यादव करिब १० मिनेट धरि हलसँ बाहर फोनमे बात कएलन्हि । हुनकर सहयोगीसभ धरफरिमे देखल जा रहल छलथि । हलमे उपस्थित सहभागीसभ बीच कौतुहलता जागल छल, की भेलैक कहि कऽ?
हल बाहर गेल उपप्रधान एवम स्वास्थ्यमन्त्री पुनः हलभितर प्रवेश कऽ अपन सीट पर बसलथि । हुनकर मन भारी जँका लागि रहल छल । चेहरा उदास छल । कातमे बैसल मुख्यमन्त्री राउतसँ ओ अस्थिरसँ बात कएलन्हि ।
यादवकेँ अस्पतालमे उपचारार्थ भर्ना भेल २६ वर्षीया पुतहु मनिषा यादवक निधनक फोनमे खबर आएल छल । कार्यक्रमकेँ अन्तिम वक्ता रहल उपप्रधान एवम स्वास्थ्यमन्त्री यादव जनकपुर रहबाक मन रहलाक बादो जरुरी काज भेलाक कारण तत्काल काठमाण्डु घुरबाक अछि कहैत कार्यक्रमकेँ शुभारम्भ कएलन्हि । करिब १५ मिनेटधरि कार्यक्रममे सम्बोधन कएने यादव एहि दुखद घटनाक विषयमे किछु नहि बजलन्हि । आ, सम्बोधन समाप्त होइते तत्काल जहाजसँ काठमाडु घुरि गेलथि ।
यादवक पुतहु मनिषाकेँ भक्तपुरस्थित क्यान्सर अस्पतालमे निधन भऽ गेल छन्हि । मनिषाके हड्डीक क्यान्सर छल । संघीय समाजवादी फोरमक अध्यक्ष सेहो रहल उपप्रधानमन्त्री यादवक बेटा अमरेन्द्रसँ हुनकर विवाह भेल छल ।
विवाहक किछुए दिनबाद बिमार भेल मनिषाकेँ दिल्लीस्थित एम्स अस्पतालमे इलाजके लेल भर्ना कएलगेल छल । एम्समे करिब डेढ वर्षक इलाजके बाद हुनका आठ महिना पहिने नेपाल आनलगेल छल । घरमे रहैत आएल मनिषाकेँ ६ दिन पहिने भक्तपुरस्थित क्यान्सर अस्पतालमे भर्ना कएलगेल अछि । लम्बा समयसँ बिमार मनिषाके मंगलदिन इलाजक क्रममे भक्तपुर अस्पतालमे निधन भऽ गेल छन्हि । हुनकर दु वर्षक एक बेटी छन्हि ।

Have your say