Breaking-News

धनुषामे स्वस्थय विमा कार्यक्रमके शुभारम्भ

Please follow and like us:

जनकपुरधाम, फागुन ०१ गते ।नेपाल सरकार तथा स्वास्थ्य विमा बोर्डद्धारा सञ्चालित स्वास्थ्य विमा कार्यक्रम धनुषामे सेहो लागु भेल अछि । उपप्रधान तथा स्वस्थ्यमन्त्री उपेन्द्र यादव पुर्वस्वास्थ्य राज्यमन्त्री रामसिंह यादव आ जनकपुर उपमहानगरपालिकाक प्रमुख लाल किशोर साहकेँ स्वास्थय विमा कार्ड वितरण करैत स्वास्थ्य विमा कार्यक्रम शुभारम्भ कएलन्हि अछि । मंगलदिन जनकपुरधाममे स्वास्थय विमा कार्यक्रमकेँ सम्बोधन करैत मन्त्री यादव हाल सरकारी अस्पतालसँग विमा सम्झौता भेला बादो निजी अस्पतालसँग सेहो विमा सम्झौता करबाक तैयारी भऽ रहल बतओलन्हि अछि । विमा कार्यक्रम लागु करबालेल किछु निजी अस्पतालसभ सेहो जोड दैत आएल बतबैत ओ सरकार कोअपरेटिभ पार्टनरसीपके रुपेँ निजी अस्पतालसँग विमा सम्झौता कएल जएबाक बतओलन्हि ।
नेपालजँका अल्पविकसित देशमे सभ गोटेके स्वास्थ्य उपचार पाएब चुनौती रहल बतबैत मन्त्री यादव सरकार गरिब तथा विपन्न परिवारके स्थास्थय उपचारक लेल प्रतिद्ध रहल बतओलन्हि । ‘अत्यन्त पैघ संख्यामे रोग फैलैत गेल अछि मुदा, सभ गोटे उपचार कराबए सकब सम्भव नहि अछि ,’ मन्त्री यादव कहलन्हि, स्वास्थय विमा कार्यक्रम अति गरिब विपन्न सहित सभ गोटेके उपचारमे सहयोग पहुँचाओत ।’ गुणस्तरीय स्वास्थ्य सेवामे सभ नागरिकके समान पहुँच सुनिश्चित करबालेल स्वास्थय विमा कार्यक्रम अनिवार्य रुपेँ तिब्र गतिमे आगा बढाबए परबामे जोड देलन्हि ।
एहिसँ आगा ३६ जिल्लामे लागु भऽ चुकल विमा कार्यक्रम ३७ अम जिल्लाके रुपेँ धनुषामे लागु भेल स्वाथ्य विमा बोर्डक कार्यकारी प्रमुख रमेश कुमार पोखरेल बतओलन्हि । परिचयपत्रके आधारमे बीमा करा चुकल सदस्यसभ सरकार तय कएने अस्पतालसँ ५० हजार रुपैयाँ धरिक निःशुल्क स्वास्थ्य उपचार सेवा प्राप्त कऽ सकैत अछि । पाँच गोटेसँ अधिकके परिवारके लेल प्रतिव्यक्ति दश हजारके दरसँ क्षतिपूर्ति देबएके व्यवस्था रहल अछि । पाँच गोटेके परिवार बीमा शुल्क वापत प्रत्येक वर्ष २५ सय रुपैयाँके दरसँ शुल्क बुझाबए परैत अछि ।
अतिरिक्त सदस्य ४२५ रुपैयाँके दरसँ शुल्क बुझाबए पडत । बीमा रकम तिरए नहि सकएबला विपन्न वर्गके लेल सरकार बीमा रकम वापतके शुल्क तिर देबएके व्यवस्था रहल अछि । सरकार अति विपन्न नागरिककेँ शतप्रतिशत, विपन्नकेँ ७५ प्रतिशत तथा गरिबीके रेखासँ निचा रहल नागरिककेँ ५० प्रतिशतके दरसँ बीमा रकम बापतके शुल्क तिर देबएके व्यवस्था अछि । स्वास्थ्य विमा कार्यक्रम बीमा करओन्हिार कोनो व्यक्ति कोनो सरकारी अस्पतालसँ ओपीडी सेवा, इमर्जेन्सी, ल्याब उपचार, सामान्य अपरेशन सहितक उपचार करा सकैत अछि ।

Have your say