Breaking-News

जानकी आँखा अस्पतालमे तालाबन्दी

Please follow and like us:

जनकपुरधाम फागुन ०१ गते । जनकपुरक जानकी आँखा अस्पतालमे इलाज कराबएबलासभके पैघ भीड रहल करैत अछि । रेडक्रस सोसाइटीमार्फत सञ्चालन होइत आबि रहल जानकी आँखा अस्पतालमे नेपाल तथा भारतसँ पैघ संख्यामे बिमारसभ पहुँचल करैत अछि । नीजि अस्पताल आ क्लिनिकसँ सस्ता आ गुणस्तरीय इलाज होइत अओलाक कारण एहि अस्पतालमे भीडभाड रहल करैत अछि । सन् २०१८ मे मात्र १ लाख १२ हजार १४४ बिमारसभ इलाज करओने अस्पतालक तथ्यांकमे उल्लेख अछि ।
मुदा पछिला किछुदिनसँ अस्पतालमे राजनीति हावी भेलाकबाद कामकाज अस्तव्यस्त अवस्थामे अछि । अस्पतालमे चिकित्सकबाहेक जम्मा २५ टा कर्मचारी कार्यरत अछि । मुदा दुटा युनियन सक्रिय अछि । युनियन आवद्ध कर्मचारीसभ अवकाश पाबि चुकल कर्मचारीसभकेँ बर्खास्त करबाक माँग करैत आन्दोलन करैत आबि रहल अछि ।
मुदा व्यक्तिगत स्वार्थपूर्ती करबालेल रहल आन्दोलनक माध्यमसँ कर्मचारीसभ राजनीतिमे उतरल कहैत नागरिस समाज उत्सुकता देखओलक अछि । अस्पतालक विधानविपरित कर्मचारीसभ गतिविधि करैत आबि रहल कहैत नागरिक समाज मंगलदिन अस्पतालक प्रशासनिक शाखामे ताला लगओलक अछि ।
नागरिक अगुवासभक एक समूह विभित्र माँग रखैत एक महिना पहिने सात दिनक समय दैत अस्पतालक निर्देशक डा.हेम झाकेँ ज्ञापन पत्र बुझओने छल । मुदा ज्ञापन पत्र बुझओला एक महिना बितगेलाक बादो अस्पताल प्रशासन कानो गम्भीरता नहि देखओलाक बाद ओसभ प्रशासन शाखामे तालाबन्दी कएलन्हि अछि ।
कर्मचारीसभ कामसँ अधिक राजनीति करबामे केन्द्रीत भेलाकबाद बाध्य भऽ कऽ तालाबन्दी कएने रामविनोद चौधरी बतओलन्हि । कर्मचारीसभ अपन व्यक्तिगत स्वार्थपूर्तीके लेल आन्दोलनक नामसँ अस्पतालके धाराशायी बनएबातर्फ उद्त रहल हुनकर आरोप छन्हि ।
नागरिक समाजक एक समूह बुझओने ज्ञापन पत्रक माँग सम्बोधन हएबाक बाँकीए रहल समय मंगलदिन फेर दोसर समूह ज्ञापन पत्र बुझओलक अछि । मंगलदिन ज्ञापन पत्र बुझओने नागरिक समाजक व्यक्तिसभ सेहो माँग सम्बोधन करबालेल अस्पतालके सात दिनक समयसीमा देलन्हि अछि ।
अस्पतालक कर्मचारी सेवा विनियममे राजनैतिक दलक सक्रिय सदस्य काज कएने अवस्थामे ओहि कर्मचारीकेँ बर्खास्त करबाक व्यवस्था अछि । मुदा राजपाक केन्द्रीय सदस्य अजय झा अस्पतालक प्रोजेक्ट अधिकृतके रुपमे कार्यरत छथि ।
ज्ञापन पत्र बुझाबएबला नागरिक समाजक दुनु समूह अस्पतालक ऐनविपरित कार्यरत झाकेँ तत्काल बर्खास्त करबाक माँग कएलक अछि । निर्वाचन आयोग जारी कएने राजपाक केन्द्रीय सदस्यसभक सूचीमे झाक नाम १२४ अम नम्बरमे अछि ।
तहिना कार्यरत सभ कर्मचारीकेँ पूर्ण रुपेँ अस्पताल सञ्चालनक समयमे सेवा प्रदान करबाक व्यवस्था रहलाक बादो युनियनक धाक लगा कऽ मनोमानी, उत्पीडन, मानसिक दबाब देबएबला कर्मचारीकेँ बर्खास्त करबालेल ओसभ माँग कएने छथि ।
कथित युनियनके अध्यक्ष नुतन झा आ मनोज तिवारी अपन व्यक्तिगत माँग पुरा करबालेल दैनिक दबाब देबाक काज करैत आबि रहल कहैत कारबाही कऽ बर्खास्त करबालेल ज्ञापन पत्रमे माँग कएलगेल अछि ।
तहिना अस्पतालक नियमविपरित किछु कर्मचारीसभ नीजि क्लिनिक सञ्चालन कऽ रहलाक कारण ओह कर्मचारीसभ उपर कारबाही करबालेल सेहो नागरिक समाज माँग कएने अछि ।
नेत्र अधिकृत रुदलप्रसाद साह, वृजकिशोर राउत, अरुणकुमार सिंह, ज्ञानेन्द्रप्रसाद विमलसहितक कर्मचारीसभक नामे किटान कऽ अस्पतालक नियमविपरित नीजि क्लिनिक आ दोकान सञ्चालन करैत आबि रहलाक कारण कारबाही करबालेल ज्ञापन पत्रमे माँग कएलगेल अछि ।
अस्पताल सन मानवीय सामाजिक संस्थामे गुटउपगुट, युनियन, अचारित्रीक क्रियाकलाप करएला उपर कारबाही, सेवाग्राहीसँग होबएबला दुव्र्यवहार बन्द करबाक, अस्पतालक सरसफाइ, अस्पतालक गुणस्तरीय सेवाक विकासमे ध्यान देबाक सहितक माँग आगु बढओने अछि ।
मंगलदिन नेपाल तरुण दलक नगर सभापति पंकज महतो, रामानन्द युवा क्लबक अध्यक्ष मनमोहन साह, उपसभापति आशुतोष झा, हजारी जनक क्याम्पसक पूर्व सभापति दिगम्बर पाठक, युवा अभियन्ता सुशील कर्ण, जनकपुर युथ क्लबक पूर्व अध्यक्ष चन्दन रायलगायतक व्यक्तिसभ अस्पतालर्केँ ज्ञापन पत्र बुझओलक अछि ।

Have your say