Breaking-News

मधेसक नागरिकता समस्या अन्त भऽ रहल ः प्रचण्ड

Please follow and like us:

सिरहा माघ २९ गते ।पूर्वप्रधानमन्त्री एवं नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (नेकपा) अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल ‘प्रचण्ड’ मधेसी जनताके हक, अधिकारक पक्षमे संविधान संशोधनके लेल लगातार पहल कऽ रहल बतओलन्हि अछि । सिरहाके अर्नमा गामपालिका वार्ड नम्बर–१ महनौरमे निर्मित स्वास्थ्य चौकीके सोमदिन उद्घाटन समारोहकेँ सम्बोधन करैत ओ इ बात बतओलन्हि अछि । ओ कहलन्हि, ‘संविधानकेँ मधेसी जनताके आवश्यकता अनुसार संशोधन करैत जएबाक कहि प्रधानमन्त्री केपी ओली, हम आ उपेन्द्र यादव हस्ताक्षर कएने छी ।’
ओ मधेसक विकास निर्माणमे सरकारके ध्यान कम होएत कहि शंका नहि करबालेल आग्रह करैत मधेसक विकास कऽ कऽ मात्र मधेसी जनताके आकांक्षाकेँ सम्बोधन करए सकबाक बतओलन्हि । सँगहि ओ मधेसमे देखलगेल नागरिकता सम्बन्धी समस्या समाधान होबए जा रहल बतओलन्हि । ओ संशोधन विधेयक संसदमे चलि गेलासँ किछु समय भितरे मधेसमे रहल नागरिकताके समस्या सेहो हल होएत बतओलन्हि । ‘नेकपा मधेशमे पूर्वाधार निर्माणक प्याकेज आगा बढओने अछि’ ओ कहलन्हि, ‘तराई मधेसक लेल करिब तीन अर्ब रुपैयाँके विशेष व्यवस्था भऽ गेल अछि ।’
सिँचाई आ खानेपानीके दीर्घकालीन ढंगसँ समस्या समाधानक लेल सम्बन्धित मन्त्रालयमे ओ बात रखने हुनकर कहब छन्हि । एखन भर्खर उद्घाटन भेल स्वास्थ्यचौकीमे एमबीबीएस डाक्टरके व्यवस्था हुए कहि अपनेसभक माँगमे हम सकारात्मक छी’ अध्यक्ष प्रचण्ड कहलन्हि, ‘डाक्टरसहितक आवश्यक जनशक्तिके लेल हमर तर्फसँ अपनेसभकेँ सहयोग रहत । सिराहा जिल्ला आम उत्पादनमे नेपालके अग्रणी जिल्ला अछि । एतुका आमके माँग विश्वभरि अछि । सिरहाकेँ आमके जोनके रुपेँ विकास करबालेल पहल करैत छी ।’
धानखेतीमे सेहो सिरहा उर्वर जिल्ला रहल बतबैत ओ एहिके धानके सुपरजोनके रुपेँ विकास करए लेल अपन दिससँ सहयोग करबाक प्रतिवद्धता व्यक्त कएलन्हि । ‘एखनुक संविधान जनताकेँ शिक्षा, स्वास्थ्य, रोजगारीकेँ मौलिक अधिकारक रुपेँ रखने छी’ ओ कहलन्हि, ‘एखन सरकार मौलिक अधिकार कार्यान्वयनके प्रकृया सुरु कएने अछि । उपचार नहि भेटलासँ गरिबीके कारण आब ककरो नहि मरए पडत । गरीबके उपचार सरकार करत । नहि कएलक तऽ अदालतमे मुद्दा देल जा सकैत अछि ।’ पूर्वाधार विकास, उत्पादन वृद्धि, रोजगारी सृष्टि, निर्यात बढएबाक आ आयात घटाबएके काजमे पार्टी आ सरकार लागि परल अध्यक्ष प्रचण्डके कहब छलन्हि ।

Have your say