Breaking-News

‘केन्द्रीकृत मानसिकता संघीयता समाप्त करबातर्फ उद्त’

Please follow and like us:

जनकपुरधाम माघ २९ गते ।प्रदेश २ क मुख्यमन्त्री लालबाबु राउत विगतके केन्द्रीकृत मानसिकता एखनो अन्त नहि भऽ सकल शिकायत कएलन्हि अछि । देश संघीयतामे चलिगेलाक बादो सत्ता सञ्चालन करबाक केन्द्रीकृत मानसिकता जहिनाके तहिना रहल राउत बतओलन्हि अछि ।
राष्ट्रिय योजना आयोग सोमदिन जनकपुरमे आयोजना कएने १५ अम योजनाक आधारपत्र सम्बन्धी प्रादेशीक परामर्श बैठकमे बजैत राउत ई बात बतओलन्हि अछि ।
केन्द्रीकृत मानसिकता एखनो संघीयताके संकटमे लऽ जएबातर्फ उद्त रहल बतबैत राउत संघीयता मजबुत बनएबाक जिम्मेबारी प्रदेश आ स्थानीय सरकारक हाथमे आएल उल्लेख कएलन्हि ।
‘केन्द्रीकृत शासन करबाक मानसिकताके अन्त नहि भऽ सकल अछि, संघीयताकेँ संकटमे लऽ जएबाक षडयन्त्र भऽ रहल अछि,’ मुख्यमन्त्री राउत कहलन्हि,‘प्रदेश सरकार आ स्थानीय सरकारकेँ मिल कऽ संघीयता मजबुत करबाक समय आएल अछि ।’
राउत समृद्धिके लेल नीति आ नियती दुनु स्पष्ट हएबाक चाही बतओलन्हि । नियत स्पष्ट नहि होबए धरि नीति सेहो कार्यान्वयन नहि भऽ सकत बतबैत नियती स्पष्ट नहि भेलाक कारण देशके एहिसँ पहिने १४ टा पञ्चवर्षीय योजना भेटगेलाक बादो उपलब्धि हासिल नहि भऽ सकल राउत दावा कएलन्हि ।
एखनधरि उपलब्धि हासिल नहि हएबाक कारण खोजबा पर ओ जोड देलन्हि अछि । उपरसँ निचाधरि व्याप्त कुशासन, भ्रष्टाचारसहितक समस्यासभक कारण लक्ष्य प्राप्तिके लेल अवरोध बनि रहल उल्लेख करैत कुशासन अन्त करबाक काज अपनेसँ शुरु करबालेल ओ आग्रह कएलन्हि ।
१३६ स्थानीय तहक प्रमुख तथा उपप्रमुख उपस्थित रहल बैठकमे मुख्यमन्त्री राउत संविधान देने अधिकारअनुसारे प्रदेश आ स्थानीय सरकार सहकार्य कऽ कऽ आगु बढल तऽ किछुए वर्षभितर प्रदेशकेँ समृद्ध बनाओल जा सकैत अछि दावा कएलन्हि ।
रकम छिटएबला छोट योजनासभसँ समृद्धि नहि आबि सकैत अछि कहैत मुख्यमन्त्री राउत आबके विकास ठोस प्रकारक हएबाक चाही उल्लेख कएलन्हि । कृषि, उद्योग आ पर्यटन प्रदेश २ के लेल मुख्य आधार रहल बतबैत ओहि अनुरुपकेँ योजनासभ निर्माण करबालेल राउत योजना आयोगसँ आग्रह कएलन्हि ।
प्रदेश २ क भौतिक पूर्वाधार तथा विकास मन्त्री जितेन्द्र सोनल विकासके संगहि व्यक्तिके मूल्यमान्यता पर सेहो जोड देब आवश्यक रहल बतओलन्हि । स्थानीय सरकार विकासके लेल पञ्चवर्षीय गुरु योजना तैयार कऽ कऽ आगु बढल अवस्थामे विकास निश्चित रहल हुनकर दावा छलन्हि । योजना आयोज तैयार कएने १५ अम योजनामे सिंचाई आ हुलाकी सडककेँ प्राथमिकतामे नहि राखलगेल कहैत सुधार करबालेल मन्त्री सोनल ध्यानाकर्षण करओलन्हि ।

Have your say