Breaking-News

लोकसभा निर्वाचनकेँ मध्यनजर कऽ सीमामे सुरक्षा व्यवस्था कडा

Please follow and like us:

जनकपुरधाम माघ २९ गते ।भारतक आसत्र लोकसभा निर्वाचनकेँ मध्यनजर करैत नेपाल–भारतक सुरक्षाकर्मी सीमा क्षेत्रमे संयुक्त गस्ती करत । सोमदिन जनकपुरमे सम्पत्र नेपाल–भारत सीमा सुरक्षासम्बन्धी बैठकमे एहन सहमति भेल अछि ।
प्रदेश २ क धनुषा, महोत्तरी, सिरहा आ सप्तरी जिल्ला तथा बिहार राज्यक मधुबनी जिल्लाक प्रशासनिक एवम सुरक्षा प्रमुखसभक संयुक्त बैठक भारतक लोकसभा निर्वाचनमे सीमा क्षेत्रमे कडाइके संगहि निगरानी बढएबाक निर्णय कएलक अछि ।
बैठकके बाद पत्रकारसभसँ बातचित करैत धनुषाक प्रमुख जिल्ला अधिकारी प्रदीपराज कणेल आगामी अप्रिल÷मे महिनामे भारतमे होबए जा रहल लोकसभा निर्वाचननके देखैत सीमा क्षेत्रमे संयुक्त सुरक्षा प्रदान करबाक निर्णय भेल जानकारी देलन्हि ।
एहिके संगहि सीमा क्षेत्रमे होबएबला विभिन्न प्रकारक अपराध नियन्त्रण करबालेल विगते जँका संयुक्त कारबाहीकेँ निरन्तरता देबाक निर्णय बैठक कएने ओ बतओलन्हि ।
कणेल नेपाली सीमासँ होबए सकएबला नक्कली रुपैयाँके तस्करी, मनाव बेचबिखन, मदिराके अवैध कारोबार, लागु औषधके तस्करीसहितक गतिविधिकेँ निस्तेज करबालेल ठोस रणनीति बनएबाक निर्णय भेल जानकारी देलन्हि ।
नेपाली सीमाके प्रयोग कऽ कऽ भारतमे भारतीय नक्कली रुपैयाँके तस्करी तथा भारतीय सीमासँ नेपालमे लागु औषध आ छोट हथियारक तस्करी नियन्त्रण करब पैघ चुनौतीके रुपमे देखलगेल अछि ।
भारत मधुबनीक डीएम श्रीसशक्त कपिल अशोक लोकसभा निर्वाचनकेँ मध्यनजर करैत दुनु देशक सुरक्षा अधिकारीसभक संयुक्त बैठक भेल बतबैत नेपालतर्फसँ प्राप्त भऽ रहल सहयोगके प्रशंसा कएलन्हि ।
बिहारमे मदिरा निषेध रहल अवस्थामे नेपालक प्रशासनिक तथा सुरक्षा निकाय पैघ सहयोग कऽ रहल ओ बतओलन्हि । लोकसभा निर्वाचनके देख कऽ संभावित समस्यासभक विषयमे बैठकमे गम्भीरतापूर्वक दुनुपक्षबीच विमर्श भेल डीएम अशोक बतओलन्हि ।
भारतीय सीमा प्रयोग कऽ कऽ भऽ रहल लागु औषध आ छोट हथियारक तस्करी नियन्त्रण करबाक विषयमे ओसभ गम्भीर रहल उल्लेख कएलन्हि अछि । एक देशमे अपराध कऽ दोसर देशमे अपराधी नुकाएब गम्भीर विषय बनैतगेल कहैत अशोक अपराधीसभक नामक विषयमे जानकारी करा कऽ हस्तान्तरण करबाक विषयमे सेहो सहमति भेल जानकारी देलन्हि ।

Have your say