Breaking-News

प्रदेश–२ ः स्थानीय तहमे दु नम्बरी काम अधिक

Please follow and like us:

जनकपुरधाम माघ २९ गते । अख्तियार दुरुपयोग अनुसन्धान आयोगक अनुसार देशभरिके सातु प्रदेशक स्थानीय तहमे भ्रष्टाचार सम्बन्धी सभसँ अधिक उजुरी प्रदेश २ सँ दर्ता भेल अछि ।चालू आर्थिक वर्षक पहिल ६ महिना (पूष मसाान्त) धरि देशभरिसँ स्थानीय तहक भ्रष्टाचार सम्बन्धी उजुरी प्राप्त भेलमेसँ सभसँ अधिक अर्थात ४० प्रतिशत उजुरी प्रदेश २ क स्थानीय तहसँ आएल अछि । प्रदेश २ सँ सय ५ सय २२ उजुरी प्राप्त भेल अख्तियारक सह प्रवक्ता मदन कोइराला जानकारी देलन्हि ।
मानव विकास सूचकांकमे कमजोर प्रदेशके रुपमे पहिचान बनओने प्रदेश–२ क जननिर्वाचित प्रतिनिधि नेतृत्वमे आबएसँ पहिने भ्रष्टाचारक दलदलमे फँसल कहैत सरोकारवाला चिन्ता व्यक्त कएलन्हि अछि । स्थानीय तहक जनप्रतिनिधि आ कर्मचारीक मिलिभगतसँ विकास निर्माणक बजेटके चरम दुरुपयोग भेल कहैत चौतर्फी आलोचना सेहो शुरु भेल अछि ।
भ्रष्टाचारक विषय एतेक जटिल बनल अछि की प्रदेश राजधानी जनकपुरमे प्रदेश मन्त्री आ सचिवबीच बजेट दुरुपयोगक विषयमे विवाद उत्पत्र भेलाकबाद हाथपातके स्थित सिर्जना भेल ।
स्थानीय तहमे भ्रष्टाचार बढलाकबाद पीडित बनल स्थानीयवासी आ प्रतिपक्षक हैसियतमे रहल राजनीतिक दलक कार्यकर्ता एकपरसँ दोसर करैत अख्तियार दुरुपयोग अनुसन्धान आयोगमे लिखित उजुरी दर्ता करओने छथि ।
जथाभावी सल्लाहकार नियुक्त कएने, अनावश्यक रुपेँ महँग सवारी साधन खरिद कएने, परामर्शके नाम पर जथाभावी रकम खर्च कएने, ऐन नियमविपरित ठेक्कापट्टा लगओने, नदीजन्य आ वन पैदावरके निकासीमे ठेकेदारसँ मिलिभगत कऽ राजश्व अनियमितता कएने विषयमे अधिकांश उजुरी परल अछि ।

Have your say