Breaking-News

विकृत्त बनि रहल सरस्वती पूजा ?

Please follow and like us:

जनकपुरधाम माघ २८ गते । श्रद्धा एवम आस्थापूर्वक मनाओल जाएबला विद्याक देवी सरस्वती पूजामे आधुनिकताके प्रभाव परैत जा रहल अछि । खास कऽ कऽ विद्यार्थीसभक लेल विशेष दिनके रुपमे मानलगेल सरस्वती पूजा पछिला किछु दिनसँ पूजा आराधनासँ अधिक मनोरञ्जनक माध्यम बनैत जा रहल स्थानीय शिक्षक तथा प्रध्यापकसभक अनूभूति अछि ।
विगतमे श्रद्धा एवम आस्थापूर्वक मनाओल जाएबला सरस्वती पूजा पछिला किछु वर्षसँ विद्यार्थीसभक मनोरञ्जनक माध्यम बनलाक कारण पैघ विकृतिसभ देखल जा रहल जनकपुरक एक प्राध्यापक बतओलन्हि । ओ कहलन्हि,‘श्रीपञ्चमी विद्यार्थीसभक लेल महत्वपूर्ण दिन अछि । आजुक दिन विद्यार्थीसभके सरस्वतीके पूजा आरधाना करब जरुरी अछि । मुदा, परिस्थित विपरित देखल जा रहल अछि ।’ विद्यार्थीसभ पूजा आराधनासँ अधिक होटल रेस्टुरेन्ट, पार्क सहितक स्थानमे अधिक समय बिताबएमे व्यस्त देखलगेल हुनकर कहब छन्हि ।
विद्यार्थीसभक हाथहाथमे रहल मोबाइल फोन, कपडाक पहिरन, बोली व्यवहारके कारण पौराणिक महत्व समाप्त होइत सरस्वती पूजा विकृत रुप लैत जा रहल जनकपुरक एक निजी उच्च माविमे अध्यापन करबैत आबि रहल प्राध्यापक बतओलन्हि अछि । ओ कहलन्हि,‘समय परिवर्तन भऽ रहल अछि । मुदा, एहि कारण अपन परम्परा आ संस्कृतिके बिसरब गलत अभ्यासके रुपमे स्थापित होइत जा रहल अछि ।’ यहि एहि प्रकारक अवस्था रहिगेल तऽ सरस्वती पूजाक समय समाप्त होएब निश्चित रहल कहैत एहि तर्फ सम्पूर्ण विद्यार्थी, अभिभावक तथा शिक्षक वर्गके गंभीर होएब आवश्यक रहल ओ बतओलन्हि ।
तहिना सरस्वती पूजाक अवसर पर जनकपुरक विभिन्न विद्यालय, कलेज तथा विभिन्न स्थानसभमे हिन्दी तथा भोजपुरी गीत प्राथमिकतामे परल अछि । धार्मिक आस्थाके साथ मनाओल जाएबला सरस्वती पूजामे धार्मिक तथा भक्तिभावक गीतके न्यून स्थान भेटल अछि । हिन्दी आ भोजपुरीमे बजएबला गीतमे युवासभ अधिक आनन्दित होइत देखलगेल अछि । सरस्वती पूजाके अवसर पर बजाओल जाएबला एहि प्रकारक गीतसँ पूजाके महत्व पर पैघ असर परि रहल जनकपुर–४ क मनोज राउत बतओलन्हि । विगत किछु वर्षसँ सरस्वती पूजामे धार्मिक आस्थासँ अधिक फेसन करबाक प्रवृत्ति हावी होइत देखलगेल मिश्रके कहब छन्हि ।
पूजाके बहानामे लागु पदार्थ आ मादक पदार्थ सेवन कएन्हिार युवासभ सेहो पैघ संख्यामे देखलगेल अछि । एक प्रहरी अधिकारी अनुसार पूजाके नाम पर बहुतरास युवासभकेँ मादक पदार्थ तथा लागु औषध सेवन कएने अवस्थामे सेहो देखलगेल अछि ।

Have your say