Breaking-News

वार्ड अध्यक्ष आ सचिवकेँ कारबाही करबालेल कांग्रेसक माँग

Please follow and like us:

जनकपुरधाम माघ २८ गते । नेपाली कांग्रेस नगर समिति राजश्व रकम अनियमितताक आरोप लागल जनकपुरधाम उपमहानगरपालिका वार्ड नम्बर ११ क वार्ड अध्यक्ष आ वार्ड सचिवकेँ कारबाही करबालेल माँग कएलक अछि ।
नागरिकसँ पैसा लेलाक बादो रसिद नहि काटि कऽ सरकारी राजश्व अनियमितता कएने कहैत कांग्रेस नगर समिति वार्ड अध्यक्ष रामचन्द्र साह आ वार्ड सचिव गौरीशंकर साह उपर कारबाही करबालेल माँग कएने अछि ।
उपमहानगरपालिकाक उपमेयर रीता झासहितक टोलीक अनुगमनक क्रममे जनतासँ असुल भेल राजश्वक रसीद नहि काटि कऽ रकम अनियमितता कएलगेल विभिन्न सञ्चार माध्यममार्फत बुझबामे आएल कहैत अपनासक ध्यानाकृष्ट भेल नगर सभापति मनोज साहद्धारा रविदिन जारी विज्ञप्तीमे उल्लेख अछि ।
जनतासँ असुल कएलगेल राजश्व रकम अनियमितता कऽ भ्रष्टाचार कएन्हिार वार्ड सचिव आ वार्ड अध्यक्ष उपर अविलम्व कारबाही प्रक्रिया आगु बढाबएलेल विज्ञप्तीमे सम्बन्धीत निकायसँ माँग कएलगेल अछि ।

Have your say