Breaking-News

राम युवा कमिटीक कार्यकारी अधिकार संरक्षक समितिक जिम्मामे

Please follow and like us:

जनकपुरधाम माघ २८ गते । लम्बा समयसँ विवाद चलैत आबि रहल जनकपुरक राम युवा कमिटीक सम्पूर्ण कार्यकारी अधिकार संरक्षक समिति अपन जिम्मा लेलक अछि । अध्यक्ष उपेन्द्र ठाकुर आ महासचिव, सचिव तथा कोषाध्यक्षसहितक पदाधिकारीबीचक विवादक अदालत धरि पहुँचल छल ।
पूर्वअध्यक्ष तथा पूर्ववरिष्ठ निर्देशक सम्मलित कमिटीक संरक्षक समिति सधारण सभासँ अध्यक्ष उपरके अविश्वास प्रस्ताव दु तिहाई बहुमतसँ पारित भऽ कऽ कार्यसमिति विघटन भऽ चुकल कहैत कार्यकारी अधिकार अपन जिम्मामे लेने अछि ।
संरक्षक समितिक संयोजक सोहन ठाकुर रविदिन विज्ञप्ती जारी कऽ दु तिहाई बहुमतसँ कार्यसमिति विघटन हएबाक संगहि कार्यसमितिद्धारा कएलगेल त्रुटीपूर्ण मनोनित समिति सेहो विघटन कएलगेल जनओलन्हि अछि ।
कार्यसमिति आ मनोनित समिति विघटन भऽ चुकल अवस्थामे कमिटीक संशोधित विधानक धारा परिक्षेद ५ क दफा १० (घ) अनुसार कमिटीक सम्पूर्ण कार्यकारी अधिकार संरक्षक समितिमे स्वतः हस्तान्तरण भेल ठाकुरद्धारा जारी विज्ञप्तीमे जनाओलगेल अछि ।
संगहि कमिटीक विधानअनुसार कार्यसमितिक अगिला निर्वाचनसम्बन्धी प्रक्रिया आगु बढाबाक संगहि अन्य काज करबालेल संरक्षक समितिक निर्णयअनुसार अधिकारसम्पन्न तीन सदस्यीय समिति सेहो गठन कएलगेल विज्ञप्तीमे जनाओलगेल अछि । तहिना आब कमिटीसम्बन्धी कानो प्रकारक काम कार्यवाही संरक्षक समितिक संयोजक तथा भूतपूर्व अध्यक्ष सोहन ठाकुरक नामसँ करबालेल विज्ञप्तीमे अनुरोध कएलगेल अछि ।

Have your say