Breaking-News

उल्लासपूर्वक मनाओलगेल सरस्वती पूजा, आई विसर्जन

Please follow and like us:

जनकपुरधाम माघ २८ गते । विद्याक देवी सरस्वतीके पुजा आराधना कऽ जनकपुर सहित तराईक विभिन्न जिल्लासभमे श्रद्धापूर्वक सरस्वती पूजा मनाओलगेल अछि । सरस्वती पूजाके धियापुताके अक्षर आरंभ कराबएबला सर्वोत्तम दिन सेहो मानल जाइत अछि । मंदिर, विधालय तथा घरमे सरस्वतीके पूजा आराधना कएलासँ विद्या प्राप्त हएबाक धार्मिक विश्वास अछि । एहि अवसर पर विशेष कऽ विद्यार्थी, शिक्षक, साहित्यकार, कलाकार, पत्रकार अपन अपन कला साधनाके उपदान कापी, कलम, वाद्ययन्त्र सहितकके श्रद्धापूर्वक पूजा कएल करैत अछि । सरस्वती पूजाके दिनसँ सूर्य उत्तर तर्फ गेलाक कारण दिन लम्बा हएबाक संगहि वसन्त ऋतुके सेहो सुरुवात होइत अछि । सरस्वती पूजाके अवसर पर जनकपुरमे छात्र छात्रासभमे विशेष रुपसँ उत्साह देखलगेल । विधालय आ कलेजमे अध्ययनरत छात्र छात्रासभ भिन्सरेसँ पूजा आराधनामे व्यस्त देखलगेल छलथि । सरस्वती पूजाके दिन जनकपुर बजारक सडक पर विद्यार्थीसभक पैघ संख्यामे चहलपहल देखलगेल । नयाँ नयाँ कपडा पहिर कऽ एक विद्यालयसँ दोसर विद्यालय जा कऽ घुमघाम करबाक परम्पराके सेहो जनकपुरमे विस्तार होइत देखलगेल अछि । एतुका सम्पूर्ण विद्यालयके संगहि प्रत्येक टोल टोलमे सरस्वतीके प्रतिमा स्थापना कऽ विद्यार्थीसभ पुजा कएल करैत छथि । जनकपुरमे एहि वर्ष ६ सयसँ अधिकके संख्यामे सरस्वतीके प्रतिमा बनाओलगेल एक मुर्तिकार बतओलन्हि अछि । एहिबीच दु दिन धरि होबएबला सरस्वती पूजाक आई अन्तिम दिन विसर्जन कएल जाएत । पूजाकेलेल स्थापना कएलगेल प्रतिमाके नदी, तलाव या सरोबरमे भसा कऽ सरस्वती पूजा विधिवत रुपेँ सम्पन्न कएल जाति अछि ।

Have your say