Breaking-News

‘अपराधमुक्त समाज पहिल प्राथमिकता’

Please follow and like us:

जनकपुरधाम माघ २६ गते । धनुषाक नवनियुक्त प्रहरी उपरीक्षक (एसपी) शेखर खनाल अपराधमुक्त समाजक निर्माण हुनकर पहिल प्राथमिकता रहल बतओलन्हि अछि । अपराधमुक्त समाज बनएबाक उद्देश्यसँ ओ धनुषा आएल खनाल तओलन्हि अछि ।
जिल्ला प्रहरी कार्यालयमे शुक्रदिन पत्रकार भेँटघाट कार्यक्रममे एसपी खनाल जिल्लाबासीके शान्ति सुरक्षाक प्रत्याभूति कराबएमे कोनो कसर बाँकी नहि राखल जाएत विश्वास दिओलन्हि । ‘नागरिकक शान्ति सुरक्षा हमरासभक प्राथमिकतामे अछि,’ ओ कहलन्हि,‘शान्ति सुरक्षा कायम करबामे कोनो प्रकारक ढिलासुस्ती सुरक्षा निकायकतर्फसँ नहि होएत ।’
समाजमे भऽ रहल कुरुती, विकृतिसहितक समस्या तथा अपराध न्यूनिकरण करबालेल सर्वपक्षीय सहयोगके आवश्यक्ता पर ओ जोड देलन्हि । जिल्लास्थित प्रहरी संगठनक कोनो सुरक्षाकर्मी काज करबामे आनाकानी कएने अवस्थामे तत्काल जानकारी कराबएलेल ओ आग्रह कएलन्हि अछि ।
प्रहरी प्रधान कार्यालय गृहमन्त्रालयक सहमतिसँ गत १६ गते एहिसँ पहिने धनुषाक एसपी रहल गोविन्द थपलियाके ललितपुर बदली कऽ खनालके धनुषा लएबाक निर्णय कएने छल ।

Have your say