Breaking-News

मैथिली लघु फिल्म ‘इजोत’ के सार्वजनिकीकरण

Please follow and like us:

जनकपुरधाम माघ २६ गते ।मैथिली लघु फिल्म ‘इजोत’ के सार्वजनिकीकरण भेल अछि । आफन्त नेपाल नामक संस्थाक सहयोगसँ निर्माण कएलगेल महिला सश्क्तिकरण पर आधारित लघु फिल्म ‘इजोत’ शुक्रदिन जनकपुरमे आयोजित एक कार्यक्रमक बीच सार्वजनीककरण कएलगेल अछि ।
करिब ३४ मिनेट लम्बा एहि फिल्मक कथा, पटकथा, संवाद आ गीत अशोक दत्त लिखने छथि । सूर्यनारायण साहक निर्देशनमे तैयार कएलगेल फिल्मक गीतके संजय यादव संगीतवद्ध कएने छथि ।
राकेश यादव, अम्बिका मण्डल, ज्योति मण्डल, नेहा साह, जयप्रकाश मण्डल, प्रदीप मरवैतासहितक स्थानीय कालाकार अभिनित चलचित्रमे संजय यादव, शिवानी भगत, सार्थी लामासहितक कलाकार स्वर देने छथि ।
फिल्मक सार्वजनिकीकरण कार्यक्रममे प्रदेश २ क अर्थ मन्त्री विजय यादव, प्रदेशसभा सदस्य रामअशिष यादवसहितक व्यक्तिसभक उपस्थिति छलन्हि । महिला सशक्तिकरणक विषयमे चित्रण कएलगेल लघु फिल्म ‘इजोत’ सभक मन जितबामे सफल होएत ओसभ प्रतिक्रिया देलन्हि अछि ।
चलचित्रमे बेटीके शिक्षित करबा पर जोड देबाक संगहि दहेजक नाकारात्मक असरके विषयमे सन्देश देबाक प्रयास कएलगेल अछि । संगहि एहि ‘इजोत’ फिल्ममे वैदेशिक रोजगारक कारण समाजमे देखल जा रहल विकृतिसभक विषयमे सेहो देखएबाक प्रयास कएलगेल अछि ।

Have your say