Breaking-News

अख्तियार शुरु कएलक उद्यम कार्यक्रमके अनुसन्धान

Please follow and like us:

जनकपुरधाम माघ २६ गते ।गरिबी निवारणके लेल प्रदेश २ मे सञ्चालन होबएबला लखु उद्यम विकास कार्यक्रममे आर्थिक अनियमितता भेल कहैत अख्यितार छानबिन शुरु कएलक अछि । प्रदेश २ सरकारमार्फत कार्यक्रम सञ्चालन करबालेल चयन कएलगेल संस्थासभक फाइल मँगा कऽ अख्तियार दुरुपयोग अनुसन्धान आयोगक बर्दिवास कार्यालय छानबिन शुरु कएलक अछि ।
एहि कार्यक्रम सञ्चालनक सम्बन्धमे सिफारिस कएने गैर सरकारी संस्थाके चयन नहि कएलगेल कहैत प्रदेश २ क अर्थमन्त्री विजय यादव सचिव विद्यानाथ झाकेँ मारिपिट कएने आरोप अछि । आर्थिक चलखेलके कारण मन्त्री सचिवके मारिपिट कएने कहैत अख्तियारमे उजुरी परल छल । उद्यम कार्यक्रमक सभ कागजपत्र पठाबएलेल अख्तियार माघ १६ गते पत्राचार कएने छल ।
गैरसरकारी संस्थामार्फत प्रदेश २ क आठ जिल्लामे आठ करोडक उद्यम कार्यक्रम सञ्चालन करबाक तैयारी छल । उद्योग, वन तथा वातावरण मन्त्रालय आशयपत्र बुझाबएलेल सूचना प्रकाशित कएने छल । जाहिमे १ सय ९३ गैरसरकरी संस्था दरखास्त देने छल । मापदण्ड पुरा कएने ४६ टा गैरसरकारी संस्था चयन सूचीमे परल छल ।
मन्त्री यादव सिफारिस कएने सिरहाक लहानस्थित सगरमाथा स्रोत विकास केन्द्र चयन सूचीमे नहि परलाकबाद सचिव झाविरुद्ध आक्रोशमे आएल रहथि । मन्त्री यादव कमिशन लऽ कऽ गैरसरकारी संस्थाके चयन करा देबाक आश्वासन देने रहथि । घटनाके बाद मुख्यमन्त्री तथा मन्त्रिपरिषद कार्यालय उद्यम कार्यक्रमक सभ प्रक्रिया स्थगति करबाक निर्णय कएने छल ।
संघीय सरकारक शसर्त अनुदानमे गरिबी निवारणके लेल उद्यम कार्यक्रम सञ्चालन करबालेल प्रदेश २ क उद्योग, पर्यटन, वन तथा वातावरण मन्त्रालय आशयपत्र आह्वान कएने छल ।

Have your say