Breaking-News

उपमहानगरपालिकाक वार्ड नम्बर ११ कार्यालयमे राजश्व घोटाला

Please follow and like us:

जनकपुरधाम माघ २६ गते ।जनकपुरधाम उपमहानगरपालिकाक एक वार्ड अध्यक्ष आ वार्ड सचिव मिलिभगत कऽ सरकारी रकम हजम कएने खुलासा भेल अछि । वार्ड नम्बर ११ क वार्ड अध्यक्ष रामचन्द्र साह आ वार्ड सचिव गौरीशंकर साह मिलिभगत कऽ सरकारी राजश्वस अनियमितता कएने खुलासा भेल अछि ।
सेवाग्रहीसँ उपमहानगरपालिका तय कएने अनुसार राजश्व असुल कएलाक बादो रसिद नहि दऽ दुनुगोटे मिलिभगत कऽ रकम अनियमितता कएने रहस्य सार्वजनिक भेल अछि ।
यद्यपी वार्ड अध्यक्ष रामचन्द्र एहि कार्यमे हुनक कोनो संलग्नता नहि रहल दावा कएलन्हि अछि । वार्ड सचिवक त्रुटीके कारण एहि प्रकारक काज भेल वार्ड अध्यक्ष रामचन्द्र यादव बतओलन्हि अछि ।
उपमहानगरपालिकाक उपमेयर रिताकुमारी मिश्रसहितक टोली शुक्रदिन आकस्मिक रुपेँ कएने अनुगनमक क्रममे वार्ड कार्यालय राजश्व रकम छली करैत आबि रहल देखबामे आएल अछि । वार्ड कार्यालय सेवाग्रहीसँ लेबएबला दस्तुर आ दर्ता चलानीक तथ्यांक मिलान नहि भेलाकबाद राजश्व छली होइत आएल पुष्टी भेल अछि ।
पछिलाबेर माघ १५ गते कार्यालय एक सेवाग्रहीसँ घररास्ता प्रमाणित कराबएलेल १ हजार १० रुपैयाँ राजश्व लेने छल । मुदा, वार्ड कार्यालय सेवाग्रहीसँ राजश्व लेलाक बादो रसिद नहि देने छल । सेवाग्रहीक शिकायतके आधार पर उपमेयर मिश्र, निमित्त प्रशासकीय अधिकृत प्रदीप साहसहितक टोली वार्ड कार्यालयमे अनुगमन करबालेल पहुँचल छल । आ, अनुगमनक क्रममे अन्य सेवाग्रहीसँ राजश्व बुझलाक बादो रसिद नहि देने देखबामे आएल अछि । अनुगनम टोली १ सय २४ टा सेवाग्रहीक नाम दर्ता चलानी कएलाक बादो २७ टा राजश्व रसिदमात्र काटलगेल अनुगमनक क्रममे देखलगेल जनओलक अछि ।
वार्ड सचिव राजश्वके रसिद काटब आ सिफारिसमे वार्ड अध्यक्ष हस्ताक्षर करैत आएलाक कारण दुनुगोटेक मिलिभिगतसँ राजश्व रकम अनियमितता कएलगेल स्थानीयके आरोप अछि । वार्ड नम्बर ११ मे घर रहल वार्ड सचिव गौरीशंकरके राजपासँ निर्वाचित वार्ड अध्यक्ष रामचन्द्र उपमहानगरपालिकामे दबाब दऽ कऽ अपन वार्डमे बजओने स्रोत जनओलक अछि ।
प्रशासकीय अधिकृत प्रदीप पुछताछक क्रममे वार्ड कार्यालयक सचिव गौरीशंकर त्रुटी भेल स्वीकार कएने जानकारी देलन्हि । सम्पूर्ण कागजपत्र कार्यालयमे लाबि कऽ छानबिनके बाद आवश्यक कारबाही आगु बढाओल जाएत ओ बतओलन्हि ।
एम्हर वार्ड अध्यक्ष रामचन्द्र राजश्व अनियमिततासम्बन्धी काजमे अपन कोनो संलग्नता नहि रहल दावा कएलन्हि अछि । ओ सचिव उपर विश्वास कऽ कऽ सिफारिसमे हस्ताक्षर कएने हुनकर कहब अछि । धरफरीमे रहलाक कारण राजश्वसम्बन्धी जानकारी नहि लऽ सिफारिसमे हस्ताक्षर कएने पुछताछक क्रममे वार्ड अध्यक्ष रामचन्द्र बतओने छलथि ।
उपमेयर मिश्र वार्ड सचिवकेँ सोमदिनधरि सम्पूर्ण कागजपत्र लऽ कऽ उपमहानगरपालिका कार्यालयमे उपस्थित होबएलेल निर्देशन देलगेल जानकारी देलीह अछि ।
एहिबीच वार्डक निर्वाचित सदस्यसभ घटनाके छानबिन करबाक माँग कएलन्हि अछि । राजश्व रकम अनियमितता कएन्हिार व्यक्तिकेँ उपमहानगरपालिका कारबाही नहि कएलक तऽ अख्तियारमे उजुरी देबाक ओसभ चेतावनी देलन्हि अछि ।

Have your say