News

राजदूत नियुक्ति समावेशी बनाओल जाएत ः मन्त्री ज्ञवाली

Please follow and like us:

काठमाण्डू माघ २५ गते ।परराष्ट्रमन्त्री प्रदीपकुमार ज्ञवाली राजदूत नियुक्ति समावेशी बनएबाक बतओलन्हि अछि । वृहस्पतिदिन संसदीय सुनुवाइ विशेष समितिमे ओ विगतमे राजदूत नियुक्ति कएलापर समावेशी नहि भेला बादो आब संविधानअनुसार समावेशी बनाओल जएबाक बतओलन्हि । ‘आब नियुक्ति कएलापर संविधानके मर्मअनुसार होएत’ ओ कहलन्हि । परराष्ट्र मन्त्रालय अन्य देशसभसँग केहन सम्बन्ध अछि कोन देशसँग कि अपेक्षा अछि एहि विषयमे अध्ययन कऽ कऽ प्रोफाइल बना रहल मन्त्री ज्ञवाली जानकारी देलन्हि । एना तैयार कएलगेल प्रोफाइल सम्बन्धित देशक राजदूतकेँ पठएबाक ओ बतओलन्हि ।
मन्त्री ज्ञवाली ५ देशमे नेपालके राजदूत खाली रहल संसदीय समितिमे जानकारी देलन्हि । हाल २८ देश तथा नियोगमे नेपाली राजदूतसभ रहल अछि । बंगलादेश, स्पेन, दक्षिण कोरिया, दक्षिण अफ्रिकासहित ५ देशमे राजदूत नहि अछि ।

Have your say