Breaking-News

किसानद्धारा रामनगर चिनी मिल बन्द

Please follow and like us:

जनकपुरधाम माघ २५ गते ।उँखि आपूर्ति पूर्जी (चलान) क माँग करैत महोत्तरीक किसानसभ गौशालाक रामनगरस्थित एभेरेष्ट सुगर एण्ड केमिकल इण्डष्ट्रिज मिल बन्द करओलक अछि ।
स्थानीय किसानसभ समयमे चलानक माँग करैत वृहस्पति दिन दुपहर २ बजेसँ मिल बन्द करओलक अछि । स्थानीय किसान देवकुमार महतोक अनुसार उँखिक मूल्य निर्धारणसम्बन्धी विवादक कारण गत वर्षक तुलनामे एक महिना देरसँ शुरु भेल अछि । माघ महिना बित रहल समयमे उद्योग चलान नहि नहि देलाक बाद उँखिक तौल घटबाक संगहि गर्मीके समयमे उँखिक कटानके लेल समस्या भेलाक कारण किसानसभ समय पर चलानक माँग कएलन्हि अछि ।
चलानक सम्बन्धमे ठोस निर्णय नहि होबए धरि मिल बन्द रहत किसानसभ बतओलन्हि अछि । उद्योग एखनधरि ७ लाख ७४ हजार क्विन्टल उँखि क्रसिङ कएने मिलक प्रशासन शाखा जनओलक अछि ।

Have your say