Breaking-News

६८ लाखसहित तीन हुण्डी कारोबारी नियन्त्रणमे

Please follow and like us:

मोरङ पुस ३० गते ।विराटनगर महानगर क्षेत्रमे सहकारीके आडमे हुण्डी कारोबार भऽ रहल रहस्य बाहर आएल अछि । जिल्ला प्रहरी कार्यालय मोरङ हुण्डी कारोबारमे संलग्न रहल आरोपमे एक सहकारी संस्थाक अध्यक्ष सहित तीन गोटेके रविदिन नियन्त्रणमे लेला बाद ई रहस्य खुजल अछि । प्रहरी स्रोत नहि खुजल ६८ लाख ५७ हजार ६ सय रुपैयाँ सेहो सहकारीसँ बरामद कएने अछि । हुण्डी कारोबारमे संलग्न रहल आरोपमे विराटनगर–७ स्थित आस्था नेपाल बहुउद्देश्यीय सहकारी संस्थाक अध्यक्ष ३२ वर्षीय राजेश हेडा, व्यवस्थापक ४१ वर्षीय दिपक कुमार कर्ण आ दोसर कर्मचारी २५ वर्षीय सुमित साहकेँ नियन्त्रणमे लेने प्रहरी नायब उपरीक्षक घनश्याम श्रेष्ठ बतओलन्हि ।
‘विराटनगर ७ घर रहल अध्यक्ष हेडाके कार्यकक्षसँ स्रोत नहि खुजल ५९ लाख ७ हजार ६ सय रुपैयाँ बरामद भेल अछि,’ ओ कहलन्हि, ‘विराटनगर ११ घर रहल सहकारीके कर्मचारी साह अध्यक्ष हेडासँ लऽ कऽ ल जा रहल अवस्थामे ९ लाख ५० हजार बरामद भेल अछि ।’ अनुसन्धानक लेल विराटनगर १२ घर रहल सहकारीके व्यवस्थापक कर्णकेँ नियन्त्रणमे लेने ओ बतओलन्हि । साह ओ रकम कतह लऽ जाए लागल विषयमे ओसभ एखन किछु नहि कहलासँ अनुसन्धानक बाद कहल जा सकैत अछि श्रेष्ठ बतओलन्हि ।
प्रारम्भीक अनुसन्धानक क्रममे सहकारीके अध्यक्ष हेडा बरामद भेल रकम हुण्डी कारोबारके रहल स्वीकार कएने प्रहरी उपरीक्षक मनोज केसी बतओलन्हि । पकराएलमेसँ हुण्डी कारोबार कएन्हिार मुख्य व्यक्ति अध्यक्ष हेडा रहल प्रहरीके अनुसन्धानसँ खुजल अछि । ‘सहकारीके आडमे हुण्डी कारोबार कऽ रहल देखलगेल,’ केसी कहलन्हि, ‘एतह एखनो हुण्डी कारोबारके पैघ सञ्जाल भऽ सकैत अछि ।’ पकराएल तिनु गोटेकेँ रकम सहित कारबाहीके लेल राजश्व अनुसन्धान कार्यालय इटहरीमे बुझएबाक प्रहरी जनओलक अछि । एहिसँ आगा भारतसँ विराटनगरतर्फ हुण्डीके पैसा लाबि रहल समय ३९ लाख सहित दु गोटेकेँ पुलिस नियन्त्रणमे लेने छल ।

Have your say