Breaking-News

नेविसंघक दु सहमहामन्त्रीसहित ४५ गोटेके राजीनामा

Please follow and like us:

काठमाण्डू पुस ३० गते ।कांग्रेस भ्रातृसंस्था नेविसंघक दु गोटे सहमहामन्त्रीसहित ४५ गोटे महाधिवेशन कराबए वर्तमान नेतृत्व अक्षम भेल कहैत रविदिन राजीनामा देलन्हि अछि । राजीनामा देन्हिारसभ वरिष्ठ नेता रामचन्द्र पौडेलपक्षीय छथि । पार्टी सभापति शेरबहादुर देउवा राजधानी बाहर रहलासँ पौडेलमार्फत राजीनामा बुझओने ओसभ सभ महाधिवेशनसँ निर्वाचित पदाधिकारी तथा सदस्य छथि । एहिसँ आगा देउवापक्षीय उपाध्यक्षद्वय पुष्पा शाही आ विकास केसी, महामन्त्री सरोज थापासहित ९ गोटे राजीनामा दऽ चुकल छथि । संघक वर्तमान कार्यसमिति तत्कालीन फोरम लोकतान्त्रिकसँ आएल विद्यार्थी नेतासहित १ सय ६६ सदस्यीय अछि ।
नैनसिंह महर नेतृत्वक कार्यसमिति दु बेर धरि तिथि तय कएला बादो महाधिवेशन नहि कराबि सकल । पछिला समय पुस २८ सँ माघ २ धरिक लेल तय कएलगेल छल । वर्तमान कार्यसमिति विधानअनुसार माघ २ बाद स्वतः विघटन भऽ रहल अछि । राजीनामा देबएबलासभ नेविसंघ आ पार्टी विधानअनुसार वर्तमान कार्यसमिति भंग कऽ तदर्थ समिति बना कऽ ६ महिना भितर महाधिवेशन करबालेल माँग कएने अछि ।
अध्यक्ष महर कहलन्हि वर्तमान कार्यसमितिसँ महाधिवेशन कराबए ६ महिना समय बढाबए लेल लबिइङ शुरु कएलन्हि अछि । एहिके लेल विधान संशोधन करए पडत । वर्तमान कार्यसमितिकेँ समय बढा कऽ महाधिवेशन कराबए देबाक कि तदर्थ समिति बनएबाक विषयमे संघ विभाजित अछि । संस्थापन आ ओहिसँ बाहरके दुनु खेमा भितर एकटा पक्ष वर्तमान कार्यसमितिकेँ समय देबए पडत आ दोसर पक्ष तदर्थ समिति बनाबए पडत बता रहल अछि । महर नेतृत्वक कार्यकाल भादव २ गते सम्पन्न भऽ चुकल अछि । महाधिवेशन करबालेल पहिल बेर तीन आ दोसर बेर २ महिना बढाओलगेल छल ।

Have your say