Breaking-News

दिनभरि सम्सी–गौशाला सडकखण्ड अवरुद्ध

Please follow and like us:

महोत्तरी पुस ३० गते ।महोत्तरीमे टिपरसँ पिचा कऽ एक बालकके मृत्यु भेला बादा क्षतिपूर्तिके माँग करैत सम्सीमे स्थानीयसभ रविदिन दिनभरि सडकजाम कएलन्हि । रविदिन भिन्सर टिप्परके ठोक्करसँ ९ वर्षक बालक शेख सदावके मृत्यु भेला बाद तनाव भेल छल । बालकके मृत्युके विरोधमे स्थानीयवासी गौशाला सम्सी सडकखण्डअन्र्तगत सम्सी गामपालिका २ स्थित पर्सादेवाडमे सडकअवरुद्ध कएने छल ।
गौशालासँ सम्सीतर्फ जा रहल गिट्टी लोड रहल ना ७ ख ६४२७ नम्बरके टिप्पर सम्सी जा रहल समय ठोक्करसँ सदावके मृत्यु भेल छल । बालकके मृत्यु भोल बाद मृतकके परिवारजनसहित स्थानीयसभ क्षतिपूर्तिके माँग करैत सडक अवरुद्ध कएने छल । तत्काल क्षतिपूर्ति माँग करैत ओसभ आन्दोलित भेलासँ सडक नहि खुलाबि सकल घटनास्थानसँ इलाका प्रहरी कार्यालय गौशालाके प्रहरी निरीक्षक किशोर अचार्य बतओलन्हि ।
रास्ता खोलए लेल अपनेसभ कएने सभ प्रयास असफल भेला बाद दनभरि रास्ता अवरुद्ध रहल प्रहरी निरीक्षक अचार्य जानकारी देलन्हि । एम्हर ठोक्कर देबएबला टिप्पर आ चालककेँ पुलिस नियन्त्रणमे लेने अछि । बालकके शवकेँ पोष्टमार्टमके लेल जलेश्वर पठाओलगेल इलाका प्रहरी कार्यालय गौशाला जनओलक अछि ।

Have your say