Breaking-News

‘सरकारी कामकाजके भाषा मैथिली आ भोजपूरी बनाबए पडत’

Please follow and like us:

जनकपुरधाम पुस ३० गते ।उपप्रधान तथा रक्षामन्त्री ईश्वर पोखरेल प्रदेश २ क सरकारी कामकाजके भाषा मैथिली आ भोजपूरी बनाबए पडत बतओलन्हि अछि । ओ बहुभाषिक, बहुधार्मिक तथा बहुसांस्कृतिक देशमे स्थानीय विशेषताअनुसारक नीति बनाबए पडत बतओलन्हि । वामवन्थी विचारक हरिदेव मण्डल स्मृति प्रतिष्ठान स्वर्गीय मण्डलके दोसर पून्यतिथिमे नगराईन नगरपालिका ८ खिरखिरियामे रविदिन कएने स्मृति सभाकेँ संबोधन करैत ओ कहलन्हि–‘देश संघीयतामे प्रवेश कएने अछि । आब अपन भाषा, संस्कृति तथा संस्कारके सुरक्षा अपने करए पडत । अपनेसभ मैथिलीके झन्डा बुलन्द करु हमसभ साथ देब ।’
सरकार जनताकेँ अनुभूत होबएजँका काज नहि कएने आलोचना भऽ रहल समय मन्त्री पोखरेल सरकार कानुन निर्माणमे व्यस्त रहल बतओलन्हि । ओ कहलन्हि, ‘केपी ओली नेतृत्वक वर्तमान सरकार एखन कानून आ संरचना निर्माणमे व्यस्त अछि । फागुन अन्तिम या चैत दोसर सप्ताह धरिसम्पूर्ण कानुन निर्माण होएत आ विकास निर्माण आओर तीव्र गतिमे आगा बढत ।’
संघीय सरकार नागरिकता समस्या समाधान करबालेल तैयार रहल उल्लेख करैत ओ अंगीकृत नागरिकके सन्तानसभ वंशज नागरिकता प्राप्त करबाक विषयमे सैद्धान्तिक सहमति भऽ चुकल बतओलन्हि । अपने प्रशासन समितिके प्रमुख रहल उल्लेख करैत ओ गैर नेपालीकेँ नागरिकता लेबएसँ रोकबालेल स्थानीयवासीके सहयोग आवश्यक रहल बतओलन्हि ।
भौतिक पूर्वाधार तथा यातायात मन्त्री रघुवीर महासेठ ओली नेतृत्वक सरकार मधेस मैत्री सरकार रहल उल्लेख करैत मधेसक विकास निर्माण, शान्ति सुरक्षा तथा नागरिकता सहितक विषयमे उदारतापूर्वक आगा बढल दावा कएलन्हि । ‘जन्मसिद्ध नागरिकके सन्तानकेँ नागरिकता प्रदान करबालेल आवश्यक विधेयक संसदमे अछि । ई पारित भेल लगले नागरिकता शुलभ होएत’ मन्त्री महासेठके कहब छलन्हि ।
संघीय सरकार अगामी चारि वर्ष भितर हुलाकी सडक निर्माण करबाक लक्ष्य लेने उल्लेख करैत मन्त्री महासेठ संघीय सरकार जलमार्गके संरचना निर्माणकेँ प्राथकिता देने बतओलन्हि । ओ याह वर्षक मार्च महिना बाद भारत झारखण्डके साहेवगंज तथा उत्तरप्रदेशक बनारसके पोर्टसँ मालसामान आयात करए सकबाक बतओलन्हि ।
‘आब मालसामान लाबए१ हजार ५ सय किलोमिटर दुर कोलकता नहि जाए पडत डेढ सय किलोमिटर साहेवगंजसँ मालसामान लाओल जा सकैत अछि ।’ कार्यक्रममे नेकपा प्रदेश २ क अध्यक्ष प्रभु साह, इन्चार्ज मण्डल, सभासदसभ भरत साह सहितक वक्ता सेहो संबोधन कएने छलथि । हरिदेव मण्डल स्मृति प्रतिष्ठान शिक्षण पेसामे उल्लेखनीय योगदान देन्हिार डेढ दर्जन अवकास प्राप्त शिक्षकसभकेँ सम्मान कएने छल ।

Have your say