Breaking-News

मन्त्री–सचिव विवाद ः छानबिन समिति गठन

Please follow and like us:

जनकपुरधाम पुस ३० गते ।प्रदेश २ मे मन्त्री सचिव उपर पिटपाट कएने विषयमे प्रदेश सरकार छानबिन समिति बनओलक अछि । रविदिन आर्थिक मामिला तथा योजनामन्त्री विजय यादव उद्योग वन, पर्यटन तथा वातावरण मन्त्रालयक सचिव विद्यानाथ झाकेँ अपने कार्यकक्षमे बजा कऽ पिटपाट कएने आरोप अछि ।
ओहि विषयमे रविएदिन बैसल मन्त्रिपरिषद बैठक आन्तरिक मामिला तथा योजना मन्त्री ज्ञानेन्द्र यादवके नेतृत्वमे ३ सदस्यीय छानबिन समिति गठन कएलक अछि । जाहिमे आन्तरिक मामिला तथा योजना मन्त्रालयक प्रमुख सचिव आ मुख्यमन्त्री तथा मन्त्रिपरिषद कार्यालयके सचिव सदस्य छथि । ओ समिति देने प्रतिवेदनके आधारमे कारबाही करबाक मुख्यमन्त्री लालबाबु राउत बतओलन्हि । मुख्यमन्त्री राउत पिटपाटक घटना विषयमे मन्त्री यादव आ सचिव झासँग अलग अलग छलफल कऽ कऽ जानकारी लेने छलथि ।

Have your say