Breaking-News

मन्त्री यादव सचिव उपरि कएलन्हि पिटपाट

Please follow and like us:

जनकपुरधाम पुस ३० गते ।प्रदेश २ क आर्थिक मामिला तथा योजनामन्त्री विजय यादव सचिव उपर हाथपात कएलन्हि अछि । रविदिन मन्त्री यादव उद्योग वन, पर्यटन तथा वातावरण मन्त्रालयक सचिव विद्यानाथ झाकेँ अपने कार्यकक्षमे बजा कऽ पिटपाट कएलन्हि अछि । पिटपाटक बाद सचिवकेँ प्रहरी उन्टे नियन्त्रणमे लेने छल ।
अपने कहने एनजिओकेँ कार्यक्रम नहि देने कहैत मन्त्री यादव अपने कार्यकक्षमे प्रदेश २ क सभामुख सरोज यादवके आगुए झापड तथा लातसँ पिटपाट कऽ दुव्र्यवहार कएने सचिव झा वेदना प्रकट कएलन्हि । ‘पहिने सभामुखके आगुए गालमे झापडसँ पिटलक । ओहिके बाद हम अवाक भेलहुँ । ओहिके बाद पुनः दोसर कोठलीमे लऽ जा कऽ हाथ आ लातसँ पिटलक । ओहि क्रममे सभामुख बचओलन्हि । ताहिके बाद पिठ्ीमे लात मारि कऽ कोठलीसँ बाहर निकललन्हि’ सचिव झा कहलन्हि ।
मन्त्री यादव दु बेर पिटपाट कऽ कऽ कोठलीसँ बाहर निकालने सचिव झाक उपराग छन्हि । विवादक किछु देरक बाद प्रहरी जनकपुर अञ्चल अस्पतालमे लऽ जा कऽ सचिव झाके स्वास्थ्य परीक्षण सेहो करओने छल ।
संघीय सरकार सशर्त अनुदानअन्तर्गतके गरिबी निवारणके उद्यम कार्यक्रमके लेल अपन एनजीओकेँ चयन नहि कएने कहैत मन्त्री यादव अपना उपर पिटपाट कएने पीडित सचिव झा बतओलन्हि । क्षमता अभिवृद्धि कार्यक्रम सञ्चालनक लेल मन्त्रालयमे १ सय ९३ टा गैरसरकारी संस्थासभ आशय पत्र देने छल । ओहिमे ४० टा संस्था चयन भेल छल ।
सचिव झाकेँ मन्त्री पिटपाट कएला बाद कर्मचारीसभ मुख्य गेटपर धर्नामे बैसल छलथि । एम्हर, मन्त्री यादव अपने पिटपाट नहि कएने दावा कएलन्हि अछि । ओ सचिव झा प्रदेशक सभामुख आ दोसर एक गोटे मन्त्रीके आगाड ’हम लोकल छी’ कहैत अपन पदीय मर्यादा बिसरि कऽ पैघ आवाजमे बजैत कोठलीसँ निकलल बतओलन्हि ।
कर्णाली प्रदेशक उद्योग, पर्यटन तथा वातावरण मन्त्री नन्द बुढा अपनाकेँ नहि टेरने कहैत सचिव झाकेँ गत जेठ महिनामे केन्द्रके वन तथा वातावरण मन्त्रालयमे फिर्ता कऽ देने रहथि । किछु समय अनुसन्धान तथा तालिम केन्द्रमे उपमहानिर्देशक रहल झाकेँ गत आसिनमे प्रदेश २ क मन्त्रालयके सचिवके रुपेँ खटाओलगेल छल ।

Have your say