Breaking-News

डा. केसीके जीवन रक्षाके लेल पहल करबालेल चिकित्सक संघक आग्रह

Please follow and like us:

काठमाण्डू पुस २९ गते ।नेपाल चिकित्सक संघ आमरण अनसनरत डा. गोविन्द केसीके जीवन रक्षाके लेल विशेष पहल करबालेल सरकारकेँ आग्रह कएलक अछि । सहमति र्कायान्वयनके माँग करैत डा. केसी शुक्रदिनसँ इलाममे अनसनरत छथि । चिकित्सक संघ सहमति कार्यान्वयन करबाक बदलामे डा. केसीकेँ तमसाबएबला गतिविधि कऽ कऽ सरकार अपन गरिमा आ प्रतिष्ठा उपर आँच पहुँचओने ठहर कएलक अछि ।
१६ अम बेर अनसनमे बैसलासँ डा. शारीरिक अवस्था अत्यन्त कमजोर रहल आ कोनो समय अप्रिय घटना होबए सकबाक कहैत संघक महासचिव डा. लोचन कार्की जीवन रक्षाके लेल विशेष पहल करबालेल आ अनसनकेँ सदाके लेल अन्त करबाक सुनिश्चित वातावरण तैयार करबालेल सरकारकेँ आग्रह कएलन्हि अछि ।

Have your say