News

कमजोरी स्वीकारैत मिश्र थापाकेँ कहलन्हि– पुनः सहयात्रा करी

Please follow and like us:

काठमाण्डू पुस २९ गते ।विवेकशील साझा पार्टीके संयोजक रविन्द्र मिश्र पार्टी छोडि कऽ नयाँ दल दर्ता प्रक्रियामे लागल पूर्वसंयोजक उज्वल थापाकेँ पुनः एक भऽ कऽ सहयात्रा करबालेल आग्रह कएलन्हि अछि । पार्टीक संयोजकमेसँ एक उज्वल थापासहित १६ गोटे विवेकशील नेपाली दल दर्ताके लेल शुक्रदिन निर्वाचन आयोगमे निवेदन देला बाद शनिदिन पत्रकार सम्मेलन करैत संयोजक मिश्र पार्टी फुटएके बैकल्पिक राजनीतिक शक्ति निर्माणमे नहि सोंचनेजँका अवरोध आएल बतओलन्हि । मुदा, अपनसभक अभियान नहि ररुकत मिश्रके कहब छलन्हि ।
‘कोनो आग्रह, पूर्वाग्रह नहि अछि । आबु सँगहि चलु,’ संयोजक मिश्र, ‘संवाद नहि होइत अछि । नहि जाएके यात्रामे सँगहि हमरासभक दिससँ सेहो कमजोरी भेल होएत, छोडि कऽ गेल साथीसभसँ सेहो कमजोरी भेल भऽ सकैत अछि ।’
नयाँ पार्टी दर्ता करए लागलप्रति मिश्र थापाकेँ शुभकामना देलन्हि । ‘एखन अलग भेला बादो देश रूपान्तरण करबालेल हमसहिसभ रहब,’ मिश्र कहलन्हि, ‘कोनो बिन्दुमे फेरसँ एक होएब ।’ अपनासभक पहलके बाद काल्हिके दिनमे स्वदेश आ बिदेशमे रहएबला साथीसभ उत्साहित भेल स्मरण करैत मिश्र एखन छोडि कऽ गेला बाद ओहिमे ठन्डापना सेहो आएले उल्लेख कएलन्हि ।
छोडि कऽ जाएबला साथीसभ लगओने आरोपसँ बहुत दुःख लागल मिश्र बतओलन्हि । ओ, ‘तहिना हम सेहो आरोप लगाएब तऽ बहुत आरोपसभ लगाओल जा सकैत अछि । मुदा हम ओ करबाक पक्षमे नहि छी । अपनेसभ उसकएला बादो हम हो काज नहि करब ।’ पार्टीमे विधि आ प्रक्रिया विपरित कएलगेल कहि लगाओलगेल आरोप सही नहि रहल ओ दावा कएलन्हि ।
चुनावक बाद एक वर्षक अवधिमे पार्टी सञ्चालनके लेल केन्द्रीय समिति बनओने विधि प्रक्रिया विषयमे पार्टीके सदस्यकेँ जानकारी नहि करा सकब कमजोरी भेल ओ स्वीकार कएलन्हि । ओ कहलन्हि, ‘कोनो निर्णय कएलापर विधि आ प्रक्रिया विपरित नहि गेल छी ।’ दोसर संयोजक उज्वल थापा विधि प्रक्रिया विपरित समीक्षा प्रतिवेदन लिखने ओ बतओलन्हि । एहिके बाबजुद ३० गते सुरु होबएबला केन्द्रीय समिति बैठकके एजेण्डा बनओने अवस्थामे पार्टी छोडि कऽ जाएब दुःखद रहल मिश्र कहब छलन्हि । संयोजक मिश्र विवेकशील साझा पार्टी रहबाक बतओलन्हि ।

Have your say