मैथिली समाचार

डेफोडिल्स मनओलक अपन २७ अम वार्षिकोत्सव

Please follow and like us:

जनकपुरधाम पुस २७ गते ।शैक्षिक क्षेत्रमे प्रतिष्ठा आर्जन करैत आबि रहल जनकपुरक डेफोडिल्स पब्लिक स्कुल वृहस्पतिदि अपन २७ अम वार्षिकोत्सव सम्पन्न कएलक अछि । २०४९ सालमे जनकपुरक विद्यापति चौकमे निजी स्तरसँ सञ्चालनमे आएल डेफोडिल्स पब्लिक स्कुल विभिन्न शैक्षिक कार्यक्रमके आयोजना कऽ अपन २७ अम वार्षिकोत्सव मनओने अछि । एहि अवसर पर विद्यालयक प्रधानाध्यापिका डा.वीणा ठाकुर सामाज आ देशक विकासके लेल शिक्षा सभसँ अधिक महत्वपूर्ण रहल कहैत जनकपुरक शैक्षिक क्षेत्रक विकास पर जोड देने छलथि । विद्यार्थी माटिक स्वरुप रहल कहैत आकार देबाक शिक्षसभके अपन दायित्वसँ कखनो पाछु नहि हटबालेल ओ आग्रह कएलीह अछि । २७ अम वार्षिकोत्सवके अवसर विद्यालयमे ओयोजित विभिन्न शैक्षिक क्रियाकलापमे विजेता विद्यार्थीके संगहि गत वर्षक एसईई परीक्षामे उत्कृष्ट स्थान प्राप्त कएन्हिार विद्यार्थीसभके पुरस्कृत एवम सम्मानित कएलगेल छल । कार्यक्रममे विद्यालयक अभिभावक, विद्यार्थी तथा शिक्षकसभक उपस्थिति छलन्हि ।

Have your say