Breaking-News

विश्व हिन्दी दिवस मनाओलगेल

Please follow and like us:

जनकपुरधाम पुस २७ गते ।भारतीय राजदूतावास आ त्रिभुवन विश्वविद्यालय अन्तर्गतके हिंदी केन्द्रीय विभागक सहकार्यमे विश्व हिन्दी दिवस मनाओलगेल अछि । संस्कृति, पर्यटन तथा नागरिक उड्डयन मन्त्री रविन्द्र अधिकारीक प्रमुख आतिथ्यमे आयोजना कएलगेल कार्यक्रममे नेपालके लेल भारतीय राजदूत मंजीवसिंह पुरी भारतीय प्रधानमन्त्रीक नरेन्द्र मोदीक सन्देश पढि कऽ सुनओने छलथि ।एहि अवसर पर केन्द्रीय हिन्दी विभागक वेवसाइटक लोकार्पण सेहो कएलगेल छल । तहिना राजदूत पुरी नेपालक आदिकवी भानुभक्त आचार्यके कवितासभकेँ हिन्दी अनुवादसहित दुटा हिन्दी पुस्तकके लोकार्पण सेहो कएलगेल । संगहि भारतक पूर्व प्रधामन्त्री अटल विहारी वाजपेयीक ५१ टा कवितासभक नेपाली अनुवाद कएने लेखक शिवदत्त ढकालके सम्मानित सेहो कएलगेल । कार्यक्रममे विभिन्न क्षेत्र दु सयसँ अधिक साहित्यक व्यक्तित्वसभक सहभागिता छल ।

Have your say