News

राम युवा कमिटीमे तालाबन्दी

Please follow and like us:

जनकपुरधाम पुस २७ गते ।जनकपुरस्थित राम युवा कमिटीमे तालाबन्दी भेल अछि । कमिटीक महासचिव, सचिव, कोषाध्यक्ष तथा कार्यकारिणी सदस्यसभ कार्यालयमे तालाबन्दी कएलन्हि अछि ।
कमिटीक अध्यक्ष उपेन्द्र ठाकुरविरुद्ध दर्ता कराओलगेल अविश्वासक प्रस्ताव पारित भेलाक बादो पदीय जिम्मेवारी नहि छोडलाक कारण कार्यालयमे तालाबन्दी कएलगेल महासचिव सरोज कुमार साह दावा कएलन्हि अछि ।
महासचिव साह वृहस्पतिदिन विज्ञप्ती जारी करैत अगहन ८ गते अध्यक्ष ठाकुरविरुद्ध अविश्वासक प्रस्ताव दर्ता करा अगहन २१ गतेक साधारणसभासँ कार्यसमिति आ निर्देशन समिति विघटन कएलगेल दावा कएने छथि । कार्यसमिति आ निर्देशन समिति विघटन भल अवस्थामे कमिटी संरक्ष समितिक जिम्मेवारीमे आएल कहैत विज्ञप्तीमे निर्वाचन प्रक्रिया आगु बढाबएलेल संरक्षण समितिसँ आग्रह कएलगेल अछि ।

Have your say