News

मरिच तस्कर पकराएल

Please follow and like us:

जनकपुरधाम पुस २७ गते ।अवैध रुपेँ नेपालसँ भारततर्फ मरिच तस्करी कएन्हिार ६ गोटे पकराएल अछि । बुधदिन राति ६ टा मोटरसाइकलसँ तस्करी कऽ रहल १२ बोरा मरिच सहित धनुषाक नगराईन नगरपालिका वार्ड नम्बर ६ स्थित लगमा टोलसँ ओकरासभकेँ पुलिस नियन्त्रणमे लेलक अछि । गोप्य सुचनाके आधारमे जिल्ला प्रहरी कार्यालय धनुषासँ खटल बिषेश प्रहरी टोली करिब तीन सय किलो मरिच सहित ६ गोटेकेँ नियन्त्रणमे लेने जिल्ला प्रहरी कार्यालय धनुषा जनओलक अछि ।
पकराएबलासभमे नगराईन नगरपालिका वार्ड नं. १ रहन्हिार रजय यादव, लालु यादव, भारत मधुवनी घर रहल सुधिर यादव, मनिस कुमार महतो, राकेश महतो आ सन्तोष राम रहल पुलिस जनओलक अछि । बरामद भेल ६ टा मोटरसाइकल सहित मरिच नियन्त्रणमे लऽ आवश्यक कारवाहीके लेल जिल्ला भन्सार कार्यालाय पठाओलगेल धनुषाक प्रहरी नायव उपरिक्षक दिपेन्द्र शाही जानकारी देलन्हि ।
भारतसँ भन्सार छली कऽ अवैध रुपेँ नेपाल लओने कपडा जनकपुरसँ पुलिस बरामद कएने अछि । वृहस्पतिदिन भिन्सर करिब अढाइ बजे एक व्यक्ति भारतसँ अवैध रुपेँ लाबि रहल कपडा पुलिसकेँ देखने लगले छोडि कऽ फरार भेल प्रहरी जनओलक अछि । गोप्य सूचनाके आधारमे जिल्ला प्रहरी कार्यालय धनुषासँ खटल प्रहरी टोली जनकपुरधाम शिव चौक सडकमे पुलिसकेँ देख कऽ ज ९ प ६६४९ नम्बरके गाडी सेहो छोडि कऽ फरार भेल जिल्ला प्रहरी कार्यालय धनुषा जनओलक अछि । बरामद भेल बच्चाके जिन्स पेन्ट १७४ पीस, बच्चाको पेन्टी १०६८ पीस र लेडीज सल १० पीस रहल पोका सहित मोटरसाइकल नियन्त्रणमे लऽ आवश्यक कारवाहीके लेल भंसार कार्यालय पठाओलगेल प्रहरी नायव उपरिक्षक शाही बतओलन्हि ।

Have your say