Breaking-News

फरार अभियुक्त नियन्त्रणमे

Please follow and like us:

जनकपुरधाम पुस २७ गते । विषाक्त घरेलु मदिरा उत्पादन आ बिक्री वितरण कएने आरोपमे फरार दुइ गोटे पकराएल अछि । गत अषाढ १३ गते कमला नगरपालिकामे बिषादीयुक्त घरेलु मदीरा सेवनसँ ७ गोटेके मृत्यु भेल हत्या मुद्दामे फरार रहल दुनु गोटे पकराएल अछि । पकराएबलासभमे उत्पादक कमला नगरपालीका वार्ड नं. ७ जागीरटोल रहन्हिार राजेश कुमार चौधरी आ बिक्री वितरण कएन्हिार वडा नं. ६ मडान रहन्हिार वर्ष ३० क धर्मेन्द्र कुमार मण्डल रहल प्रहरी जनओलक अछि । अपने गाममे नुका कऽ रहि रहल गोप्य सुचनाके आधारमे बुधदिन ईलाका प्रहरी कार्यालय खजुरीके प्रहरी निरिक्षक राम थान्दारके नेतृत्वमे खटल प्रहरी टोली ओकरासभकेँ नियन्त्रणमे लेलक अछि ।
पकराएबलासभ उपर हत्या मुद्दामे म्याद बढा कऽ विशेष अनुसन्धान कार्य भऽ रहल धनुषाक प्रहरी नायव उपरिक्षक दिपेन्द्र शाही जानकारी देलन्हि । गत अषाढ १३ गते कमला नगरपालिका –६ सिंग्याही मडान स्थित बिषादीयुक्त घरेलु मदीरा सेवनसँ ७ गोटेके मृत्यु भेल छल । मृत्यु होबएबलासभमे कमला नगरपालीका वार्ड नं. ५ रहन्हिार रामचन्द्र पासवान, मनिक पासवान, वार्ड नं. ६ रहन्हिार रामनाथ पासवान, गंगा कुमार पासवान, राम कुमार पासवान, साबिर मिया अन्सारी आ राजभिर महतो रहल छल ।

Have your say