Breaking-News

श्रम स्वीकृति लेबएलेल रातिभरि लाइन

Please follow and like us:

जनकपुरधाम पुस २७ गते ।प्रदेशसँ पुनः श्रम स्वीकृति भेटए जा रहल जानकारी भेलाक बाद वैदेशिक रोजगारमे जाएबला कामदारसभ खुशी भेल छल । प्रदेश २ क राजधानी जनकपुरेसँ पुनः श्रम स्वीकृति भेटए जा रहल खबरसँ वैदेशिक रोजगारीमे जाएबला आठ जिल्लाक वैदेशिक कामदारसभबीच खुशीके लहर छल । आ, प्रमुख कारण छल श्रम स्वीकृति लेबएलेल काठमाण्डु पहुँचबाक झन्झटसँ छुटकारा पाएब ।
मुदा, श्रम स्वीकृति देबाक काज शुरु भेला किछुएदिन नहि बितबैत वैदेशिक कामदारसभ समस्या भोगए पर बाध्य भेल छथि । कार्यालयसँ भऽ रहल कार्य सम्पादनमे ढिलासुस्ती आ दलालकसभक चलखेलखेल बढए लगलाक बाद पुनः श्रम स्वीकृति लेबएलेल पहुँचएबला कामदारसभ रातिभरि कार्यालयके आगु सडक पर जागए पर बाध्य छथि ।
श्रम स्वीकृति लेबएलेल बारा जिल्ला रामनगरक उमेशप्रसाद सहनी जनकपुर अओलाह तीन दिन भऽ गेल अछि । क्याम्पस चौक नजदिक रहल प्रदेश श्रम तथा रोजगार कार्यालयक आगु ओ तीन दिनसँ भिन्सर १० बजेसँ लाइन लगैत आबि रहल छथि । मुदा, श्रम स्वीकृति नहि भेट सकल अछि ।
उमेश जँका सप्तरी महुलीसँ पुनः श्रम स्वीकृति लेबएलेल जनकपुर पहुँचल छलथि, नथुनी राय । नथुनी सेहो श्रम स्वीकृति लेबएलेल दु दिनसँ प्रयास कऽ रहल छथि । मुदा हुनका सेहो श्रम स्वीकृति नहि भेट सकल अछि ।
उमेश आ नथुनी जँका प्रदेश २ क धनुषा, महोत्तरी, सर्लाहीसहिक जिल्लासँ पुनः श्रम स्वीकृति लेबएलेल एतह पहुँचल वैदेशिक कामदारसभ दिनभरि लाइनमे रहलाक बादो सफल नहि भऽ सकलाक बाद जाढक समयमे सेहो रातिक समयमे लाइन लगबालेल कार्यालय आगु पहुँचल छलथि । वृहस्पतिदिन भिन्सर १० बजेसँ कार्यालय सञ्चालन भेलाक बादो बुधदिन राति ८ बजेसँ उमेश आ नथुनी जँका सयसँ अधिक कामदार कार्यालय आगु सडक पर लाइनमे ठाढ भऽ गेल रहथि । किछु गोटे कम्बल ओढि कऽ सडके पर सुतल रहथि तऽ किछु गोटे आगि बारि कऽ जाढसँ बँचबाक प्रयास कऽ रहल छलथि । पुषक जाढमे सेहो राति बिताएब हुनकासभक इच्छा नहि बाध्यता छल ।
वैदेशिक कामदारसभकेँ सहजता प्रदान करकबा उद्देश्यसँ प्रदेशसँ पुनः श्रम स्वीकृति देबाक आवधारणा लाबएलेल कार्यसम्पादन प्रभावकारी नहि होएब आ दलालसभक प्रभाव बढलाक बाद लाइनमे रहएबलासभ सुविधा नहि पाबि सकल श्रम स्वीकृति लेबए पहुँचल कामदारसभक शिकायत अछि ।
श्रम स्वीकृति दिआबएलेल प्रति पासपोर्ट ४ हजारसँ ५ हाजरधरि अतिरिक्त रुपैयाँ दलालसभ लैत आबि रहल ओसभ बतओलन्हि । दलालमार्फत काज कराबएबलासभके एक दिनम श्रम स्वीकृति भेट रहलाक बादो लाइनमे रहएबलासभकेँ पैघ समस्या रहल कामदारसभक कहब अछि ।
२÷३ दिन लगातार कार्यालय समयमे लाइनमे रहलाक बादो श्रम स्वीकृति नहि भेटलाक बाद बाध्य भऽ कऽ जाढक समय रातिमे लाइन लागए परल उमेश बतबैत छथि ।
‘तीन दिनसँ लाइन लगैत आबि रहल छी,’ उमेश कहलन्हि,‘मुदा हमरासभकेँ श्रम स्वीकृति नहि भेट सकल अछि । कार्यालयक अवस्था अव्यवस्थित अछि । कार्यालय सञ्चालन किछुएदिन भेल अछि । मुदा दलालसभक प्रभाव बढल अछि ।’
प्रदेशमे श्रम स्वीकृति भेटत कहलगेलाक बादो सोँचल जँका सहज नहि रहल सिरहाक धनगढी नगरपालिकस्थित सिमराक शहदेव राय बतओलन्हि । ‘लाइनमे रहलमेसँ ३०÷४० गोटेके मात्र श्रम स्वीकृति भेट रहल अछि,’ शहदेव कहलन्हि,‘एतह सक्रिय रहल दलालमार्फत तत्काल काज होइत अछि । मुदा, दिनभरि लाइनमे रहएबलासभक काज मुश्किलसँ होइत आएल अछि ।’
श्रम स्वीकृति लेबएबलासभक भीड रहलाक बादो कार्यालयमे कार्यालयमे रहएबला सुरक्षाकर्मीसभक काज सेहो प्रभावकारी नहि देखलगेल कहैत शहदेव कहलन्हि,‘भीड व्यवस्थापन करबालेल कार्यालयमे उपस्थित सुरक्षाकर्मीक भूमिका सेहो निक नहि देखलगेल अछि । ओसभ सेवाग्रहीसँग दुव्र्यवहार करैत लाठी चार्ज सेहो करैत आबि रहल छथि ।’ श्रम स्वीकृति लेबएलेल जनकपुरसँ निक काठमाण्डुए रहल ओ अपन अनुभव सुनओलन्हि । जाढक समयमे सेहो रातिमे लाइनमे ठाढ होएब प्रदेश सरकारक उपलब्धि रहल शहदेव व्यङ्ग कएलन्हि ।
वैदेशिक रोजगारमे जएबासँ पूर्व एहिसँ पहिने काठमाण्डुँसँ मात्र होबएबला पुनः श्रम स्वीकृति प्रदेशसँ उपलब्ध करएबालेल प्रदेश श्रम तथा रोजगार कार्यालयमार्फत पुष १५ सँ प्रदेश २ क जनकपुरसँ सेवा शुरु भेल अछि । मुदा सेवा प्रभावकारी नहि भेलाक बाद सेवाग्रहीसभ पैघ समस्यामे देखलगेल अछि ।

Have your say