Breaking-News

१० वर्ष देशक लेल काज कऽ कऽ उपर जाएके मन अछि ः प्रचण्ड

Please follow and like us:

चितवन पुस २६ गते ।नेपाल कम्युनिस्ट पार्टीक अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल प्रचण्ड दश बर्ष देशक समृद्धिके लेल काज कऽ कऽ ‘उपर जाएके’ विचार रहल बतओलन्हि अछि । १२ अम चितवन महोत्सवके उद्घाटन करैत अध्यक्ष प्रचण्ड देशक लेल आबके दश बहुत महत्वपूर्ण रहल कहैत अपन सपना पूरा कऽ कऽ उपर जाएके (हातथके इशारासँ आकाशदिस देखबैत) बतओलन्हि अछि । ‘आब १० वर्ष देशक लेल आ समृद्धिके लेल काज कऽ कऽ उपर जाएके विचार अछि, अपनेसभक सभके साथ सहयोग रहल तऽ हमसभ नमुनाके रुपेँ नेपाल आ चितवनकेँ बनाबि सकैत छी’ ओ कहलन्हि ।
चीनक एक नेता बिलाई कारि हुए या उजर मुसा मारक चाही कहने स्मरण करैत प्रचण्ड नेपालमे सेहो ओ कहब लागू हएबाक बतओलन्हि । ‘आइ काल्हि हम कि मानैत छी कि विलाई उजर रहए या कारी किछु नहि फरक परैत अछि, जहन विकास आ समृद्धिके जन इच्छा आ इतिहासक आवश्यकताकेँ हमसभ नहि करए सकलहुँ तऽ कम्युनिस्ट पार्टीके काज नहि अछि’ ओ कहलन्हि ।
विकासके मोडालिटीके विषयमे समस्या नहि रहल मुदा समस्या एक्सनमे मात्र रहल बतबैत अध्यक्ष प्रचण्ड कहलन्हि ‘जनताके अनुभुत होबएजँका विकास आ सम्वृद्धीके काज करब हमरासभक चुनौती अछि ।’

Have your say