Breaking-News

यातायात विभागक पूर्वमहानिर्देशक श्रेष्ठविरुद्ध भ्रष्टाचारक मुद्दा

Please follow and like us:

काठमाण्डू पुस २६ गते ।वन तथा वातावरण मन्त्रालयक सहसचिव तथा यातायात व्यवस्था विभागक पूर्वमहानिर्देशक चन्द्रमान श्रेष्ठविरुद्ध अकुत आर्जनके मुद्दा दायर भेल अछि । अख्तियार दुरुपयोग अनुसनधान आयोग आयोग विशेष अदालतमे हुनका विरुद्ध भ्रष्टाचारक मुद्दा दायर कएलक अछि । ओ यातायात व्यवस्था विभागमे कार्यरत रहल समय स्मार्ट लाइसेन्सर इम्बोस्ड नम्बर प्लेटके छपाइ करबाक प्रयोजन भेल ठेक्कामे पैघ रकम अनियमितता कएने आरोप लगबैत आरोप एहिसँ आगा लागल छल । हुनकर कार्यकालमे विभागसँ लाइसेन्सके गैरकानुनी धन्दा बढल छल ।
श्रेष्ठविरुद्ध अख्तियार १ करोड ३४ लाख रुपैयाँ बिगो दावी कएने अछि । ओ यातायात विभागमे कार्यरत रहल समय पदके दरुपयोग कऽ कऽ गैरकानुनी रुपेँ सम्पत्ति आर्जन कएने आरोप लगाओलगेल अछि । श्रेष्ठ सार्वजनिक पदमे बहाल रहल समय पद तथा अधिकारक दुरुपयोग कऽ गैरकानुनी सम्पत्ति आर्जन कएने अख्तियारक दावा अछि । २८ माघ ०३८ मे सरकारी सेवामे प्रवेश कएला बाद श्रेष्ठ २ करोड १० लाख रुपैयाँ कमएने देखलगेल अछि ।
मुदा, एहिमे अवोध आयके हिस्सा १ करोड ३४ लाख ५७६ रुपैयाँसँ अधिक रहल दावा अख्तियारक आरोपपत्रमे कएलगेल अछि । श्रेष्ठ ई सम्पत्ति परिवारक नाममे सेहो रखने देखलगेल अछि । कोन श्रोतसँ सम्पत्ति आर्जन कएने अछि ई पुष्टी नहि भऽ सकल अख्तियारक प्रवक्ता मदन कोइराला बतओलन्हि । मुद्दामे हुनकर पत्नी जमुना तन्डुकार आ नवलपरासी स्वँठीके भगवती योगीकेँ सेहो प्रतिवादी बनाओलगेल छन्हि । श्रेष्ठके अवैध सम्पत्ति हुनकासभक नाममे रखैत आएल अख्तियार जनओलक अछि ।
श्रेष्ठ अवैध रुपेँ चल अचल सम्पत्ति सिर्जना एवं सवारी खरिद, सेयर लगानी, शिक्षा, विदेश भ्रमण, बैंक मौज्दातमे सेहो ३ करोड ४४ लाख ७७ हजार ५८० रुपैयाँ खर्च कएने देखलगेल अछि । अवैध सम्पत्ति जफत कऽ कऽ हुनकासभकेँ कैद साजय करबालेल आरोपपत्रमे माँग कएलगेल अछि ।

Have your say