Breaking-News

प्रदेश पत्रकार महासंघ बुझओलक प्रदेश आमसञ्चार ऐनके मस्यौदा

Please follow and like us:

जनकपुरधाम पुस २६ गते ।प्रदेश २ सरकार लाबि रहल संचार नीतिमे सुझावक लेल नेपाल पत्रकार महासंघ प्रदेश २ प्रदेश आमसञ्चार ऐनके नमूना मस्यौदा सुझाव प्रदेश सरकारकेँ हस्तान्तरण कएलक अछि । महासंघक महासचिव किरण कर्ण बुधदिन आन्तरिक मामिला तथा कानून मन्त्री ज्ञानेन्द्र कुमार यादवकेँ प्रदेश आमसंचार ऐन सम्बन्धी मस्यौदा बुझओलन्हि अछि ।
पत्रकार महासंघ प्रदेश समिति बुझओने आमसंचार ऐनके मस्यौदा २०७५ पत्रकार मैत्रीपूर्ण रहल बताओलगेल अछि । प्रेस तथा अभिव्यक्ति स्वतन्त्रता सम्बन्धी विश्वव्यापी मान्यता, नेपालके संविधानके व्यवस्था आ नेपालमे कार्यान्वयनममे रहल ३ तहक सरकारक मूल मर्म अनुरुप ई मस्यौदा तैयार कएने महासचिव कर्ण जानकारी देलन्हि ।
स्वतन्त्र मिडिया उपर राज्यके कोनो तहक निकायसँ हस्तक्षेप नहि होबाकचाही मान्यता अनुरुप मिडिया सम्वन्धी स्वतन्त्र आ स्वायत्त संरचनाके कल्पना कएलगेल ओ बतओलन्हि । मस्यौदामे मिडियाके कन्टेन वाहेक अन्य नियमन करबालेल तथा हाल केन्द्रमे सूचना विभाग, प्रेस काउन्सिल आ संचार मन्त्रालय सेहो कऽ रहल मिडियाके वर्गीकरण, प्रशिक्षण, लोककल्याणकारी विज्ञापन वितरण, मिडियाके अभिलेखीकरण आ लाइसेन्स वितरण सहितक काजक लेल प्रदेश स्तरमे स्वतन्त्र आ स्वायत्त किसीमक प्रदेश संचार प्राधिकरण स्थापना करबाक प्रस्ताव कएलगेल मस्यौदामे उल्लेख अछि । मिडियाके कन्टेन अनुगमन, उजुरी सुनुवाई आ कारवाही तथा प्रेस पास वितरणके लेल केन्द्रके प्रेस काउन्सिल (काउन्सिलके पुर्नसंरचना आ प्रदेशस्तरमे कार्यालय स्थापनाके माँग एहिसँ आगुए कएलगेल आ अदालतसभक अधिकार रहबाक महासंघ एहिसँ आगुए स्पष्ट कऽ चुकल मस्यौदामे उल्लेख अछि ।

Have your say