Breaking-News

हिमालयके साधारणसभामे भव्य सप्ताहव्यापी कार्यक्रम

Please follow and like us:

जनकपुरधाम पुस २६ गते ।मिथिला नगरपालिकाक नक्टाझिजमे अवस्थित हिमालय युवा क्लव अपन २८ अम आ हिमालय बहु उद्येश्य सहकारी संस्था लि. १३ अम साधारणसभा भव्यताके साथ मनाबि रहल अछि । दुनु संस्था संयुक्तरुपेँ सप्ताहव्यापी कार्यक्रमके आयोजना कऽ साधारणसभा मना रहल छैक । सामाजिक, धार्मिक तथा सांस्कृतिक क्षेत्रमे निरन्तर काज करैत आएल क्लब विभिन्न कार्यक्रम कऽ साधारणसभा मनाबि रहल क्लब जनओलक अछि ।
कार्यक्रमके पहिल दिन श्री राम जानकी विद्या आश्रम नक्टाझिजके प्राङ्गणमे छात्रा÷छात्र दौड आ स्लोह साइकल प्रतियोगिता सम्पन्न भेल छल तऽ दोसर दिन हाजिरीजवाफ प्रतिायेगिता जनता मा.वि.नक्टाझिजमा आयोजना कएलगेल छल । कार्यक्रमके तेसर दिन श्री राम जानकी विद्या आश्रम नक्टाझिजके प्राङ्गणमे चित्रकला प्रतियोगिता आयोजना कएने छल । तहिना बुधदिन छात्र, छात्रा सिङ्गल ब्याडमिन्टन प्रतियोगिता क्लव भवनके प्राङ्गणमे सम्पन्न कएलक अछि ।
जाहिमे छात्रा दिस बाल क्लव मि.न.पा. २ क मनिषा कुमारी राय प्रथम आ न्यू दुर्गा नेशनल एकेडमी नक्टाझिजके तुलसि कुमारी महतो द्घितिय स्थान प्राप्त कएने अछि । छात्र दिससँ हिमालय यूवा क्लवके अमित कुमार महतो प्रथम आ गंगा.त्री आवश्य मा.वि. महेन्द्रनगरके महादेव सिंह द्घितिय स्थान हासिल कएने अछि ।
तहिना पाँचम दिन श्री राष्ट्रिय आधारभूत विद्यालय सुग्जोर नक्टाझिजमे वृक्षारोप्न कार्यक्रम, छटम दिन विश्वकर्मा चौक सरसफाइ आ अन्तिम तथा सातम दिन पुस २८ गते क्लव भवनके प्रङ्गणमे रत्तदान कार्यक्रम , साँस्कृति कार्यक्रम , अतिरिक्त क्रियाकलापके आयोजना कएल जएबाक क्लबक अध्यक्ष अरुण कुशवाहा जानकारी देलन्हि ।

Have your say