Breaking-News

विवाह पञ्चमीके तयारी तिव्र, पुष्पवृष्टीके तैयारी

Please follow and like us:

जनकपुरधाम २१ गते ।अगहन २६ गते मनाओल जा रहल रामजानकी विवाहोत्सवक तैयारी अन्तिम चरणमे पहुँचल अछि । सप्ताहव्यापी कार्यक्रमके साथ मनाओल जा रहल रामजानकी विवाहोत्सव शुक्रदिनसँ शुरु होबए जा रहल अछि । विवाहोत्वस कार्यक्रमके पहिलदिन शुक्रदिन जनकपुर नगर दर्शन कार्यक्रम रहल जानकी मन्दिरक छोटे महन्त रामरोशन दास जानकारी देलन्हि ।
त्रेता युगमे वैवाहिक कार्यक्रमपूर्व भगवान राम आ सीताकेँ जनकपुर नगर परिक्रमा करा कऽ सर्वसाधारणक दर्शन कराओलगेल मान्यता अनुसार नगर दर्शन कार्यक्रम होइत आएल अछि ।
विवाहोत्वसके तैयारीक विषयमे जानकारी देबएलेल वृहस्पतिदिन जानकी मन्दिरमे पत्रकार सम्मेलनके आयोजना कऽ छोटे महन्त दास तैयारी अन्तिम चरणमे पहुँचल जानकारी करओलन्हि । विगतके वर्षक तुलनामे एहि वर्ष भव्य तरिकासँ विवाहोत्सवके तैयारी कएलगेल जानकारी दैत दास १० लाखसँ अधिक तिर्थालु सहभागी हएबाक अनुमान रहल बतओलन्हि ।
राम जानकी विवाहोत्सवमे भारत उत्तर प्रदेशक मुख्यमन्त्री योगी आदित्यनाथ बरियात बनि कऽ जनकपुर आबि रहलाक कारण सेहो भव्यता देल जा रहल हुनकर कहब छलन्हि । मुख्यमन्त्री योगी जानकी मन्दिरमे पूजाअर्चना पश्चात रंगभूमि मैदानमे आयोजना होबएबला स्वयंभर कार्यक्रममे सहभागी होएताह ओ बतओलन्हि ।
स्वयंभर अवलोकन करबालेल योगीके लेल २२५ वर्ग फिट क्षेत्रफलके पण्डाल निर्माण कएल जा रहल आ स्वयंभरके क्रममे हेलिकप्टरसँ पुष्पवृष्टीके तैयारी चलि रहल ओ जानकारी देलन्हि ।
मुख्यमन्त्री योगीके संगहि विवाहोत्सवमे सहभागी होबएलेल अयोध्यासँ पाँच सयके संख्यामे विशिष्ट साधुसन्तसभ बरियात बनि कऽ जनकपुर आबि रहल दास बतओलन्हि । ओ कहलन्हि,‘विवाहोत्सवमे हरेक वर्ष हजारौंके सख्यामे बरियात अबैत छथि । मुदा एहि वर्ष विशिष्ट बरियातक संख्यामात्र पाँच सय रहत ।’
अयोध्यासँ किछु बरियात घोडा, उँट आ हाथीसँ जनकपुर आबि रहल ओ जानकारी देलन्हि । भारतक अयोध्यासँ धनुषाक जटही नाका होइत आबि रहल कहैत महन्त दास नाका पर पहुँच कऽ बरियातक स्वागत करबालेल आग्रह कएलन्हि अछि ।
विवाह पञ्चमी उत्सव सम्पन्न करबालेल अढाई करोड रुपैयाँ खर्च हएबाक अनुमान रहल बतबैत छोटे महन्थ दास प्रदेश सरकारक तर्फसँ ५० लाख बाहेक अन्य कोनो प्रकारक सहयोग प्राप्त नहि भेल जानकारी देलन्हि । एहि पैघ आयोजनमे प्रदेश सरकारद्धारा कएलगेल सहयोग पर्याप्त नहि रहल हुनकर कहब छलन्हि ।
विवाहोत्सवमे सहभागी होबएबला तिर्थालुसभक लेल वास आ भोजनक व्यवस्थाके सेहो जानकी मन्दिर जोडतोडके साथ आगु बढओने अछि । विवाहोत्सवमे सहभागी होबए आबएबला तिर्थालु तथा बरियातकेँ स्वागत करबालेल मिठाई तथा मिष्ठान तैयार करबाक काज शुरु भऽ चुकल अछि । छोटे महन्त दासक अनुसार तिर्थालु तथा बरियातसभके लेल एक लाख लिटर दुधक रसवरी तैयार कएल जा रहल अछि । एहिके संगहि अन्य मिष्ठान सामग्री तैयार करबाक काज सेहो शुरु भऽ चुकल ओ जानकारी देलन्हि ।
विवाहोत्सव नजदिक आबि रहल समय मन्दिरसहित स्वयंभरस्थल रंगभूमि मैदानकेँ सजएबाक काज सेहो शुरु भऽ चुकल अछि । एहि वर्ष विवाहोत्सवमे जानकी मन्दिरकेँ विभिन्न प्रकारक विद्युतीय बल्बके संगहि फूलसँ सेहो सजएबाक काज कएलगेल अछि । जानकी मन्दिरकेँ विशेष प्रकारक फूल प्रयोग कऽ सजएबाक आ एहिके लेल भारतक कोलकत्तासँ फूल आयात कएलगेल बताओलगेल अछि । छोटे महन्थ दासक अनुसार मन्दिर सजाबएलेल करिब ७ लाख मूल्य बराबरके फूल आयात कएलगेल अछि ।
एहिबीच विवाह पञ्चमीके मध्यनजर करैत अगहन २३ गतेँ २७ गते धरि जनकपुर नगर क्षेत्रभितर मदिरा बेचबिखन बन्द करबाक निर्णय कएलगेल अछि । विवाह पञ्चमीके मौका देख कऽ होबएबला आपराधिक क्रियाकलाप नियन्त्रण करबाक उद्देश्यसँ ई निर्णय कएलगेल अछि । जनप्रतिनिधि, स्थानीय संघसंस्थाक प्रतिनिधि, सुरक्षा निकायसहितक सरोकारबलासभक संयुक्त बैठक विवाह पञ्चमीकेँ भव्य बनबैत एहि अवधिभरि मांस मदिरा बेचबिखन बन्द करबाक निर्णय कएलगेल अछि ।

Have your say