निर्मला हत्यामे शंकास्पद व्यक्ति नियन्त्रणमे
काठमाण्डू २० गते ।कञ्चनपुरमे बलात्कारक बाद हत्या कएलगेल १३ वर्षीया बालिका निर्मला पन्तके घटना उपर अनुसन्धान कऽ रहल टोली एक गोटे शंकास्पद व्यक्तिकेँ काठमाण्डूसँ नियन्त्रणमे लेने अछि । कञ्चनपुरक एक युवककेँ अनुसन्धानक लेल नियन्त्रणमे लेलगेल बुझबामे आएल अछि । हाल ओकर नाम गोप्य राखलगेल अछि । पकराएल व्यक्ति लागूऔषध दुर्व्यसनी अछि । विभिन्न समिति घटना उपर अनुसन्धान करबाक क्रममे ओकरा सेहो शंकास्पदके सूचीमे रखने छल । यद्यपि, ओ भारत गेल परिवार दावा कएने छल । मुदा, पछिला समय ओ काठमाण्डूमे देखलगेला बाद पुछताछक लेल नियन्त्रणमे लेलगेल स्रोत जनओलक अछि । ओकर डीएनए परीक्षण कएल जएबाक प्रहरीके भनाइ अछि । एम्हर घटनाके अनुसन्धान कऽ रहल केन्द्रीय अनुसन्धान ब्यूरो (सीआईबी) के निर्देशक प्रहरी नायब महानिरीक्षक (डीआईजी) निरज शाही घटनाके अनुसन्धान जारी रहलासँ शंकास्पद व्यक्तिकेँ नियन्त्रणमे लेबाक, पुछताछ करबाक आ छोड्बाक क्रम चलि रहल बतआलन्हि ।
‘अनुसन्धानक लेल एक गोटे मात्र नहि, बहुत आदमीके हमसभ नियन्त्रणमे लेने छी’, ओ कहलन्हि, ‘मुदा, एखनो अपनेसभकेँ देबएबला कोनो उपलब्धिमूलक सूचना नहि अछि ।’ ओ घटना उपर गम्भीरतापूर्वक अनुसन्धान भऽ रहल दावा कएलन्हि ।