Breaking-News

कांग्रेसके आर्थिक नीति ः ६५ वर्षक बाद बृद्धभत्ता, कमसँकम एक गिलास दूध

Please follow and like us:

काठमाण्डू २० गते । नेपाली कांग्रेसक केन्द्रीय समिति बैठकमे पार्टीके समग्र आर्थिक नीति सम्बन्धी प्रस्ताव प्रस्तुत भेल अछि । समिति संयोजक डा. प्रकाशशरण महत बुधदिन केन्द्रीय समितिमे पार्टीके प्रस्तावित आर्थिक नीति पेस कएलन्हि अछि । गत भादव ८ गते पार्टीके सह–महामन्त्री महतके संयोजकत्वमे १० सदस्यीय ‘समग्र आर्थिक नीति प्रस्ताव समिति’ गठन भेल छल । पार्टीके आगामी आर्थिक नीति केहन होएत एहि सन्दर्भमे जिल्ला आ प्रदेश तहमे, उद्योगी ब्यावसायी आ भातृसंस्थाहरुसँग सेहो मिल कऽ छलफल कऽ समग्र आर्थिक नीति सम्बन्धी प्रस्ताव तैयार कएलगेल संयोजक महत जानकारी देलन्हि ।
तत्कालीन शेरबहादुर देउवा नेतृत्वक सरकार ६५ वर्ष पार कऽ चुकल ज्येष्ठ नागरिकसभकेँ वृद्ध भत्ता देबाक घोषणा कएने छल । कांग्रेसक प्रस्तावित नयाँ आर्थिक नीतिमे ई विषय उल्लेख कएलगेल अछि । जटिल प्रकारक रोगीसभकेँ इलाज भत्ता देबाक नीति सेहो आगा बढएबाक, वर्षमे १२० दिनक रोजगारी सुनिश्चित करबाक सँगहि युवा उद्यमीसभकेँ सहुलियतपूर्ण ऋण देबाक सहितक विषयकेँ सेहो प्राथमिकतामे राखलगेल अछि । तहिना, सभकेँ कमसँकम एक एक गिलास दूध देबाक सहितक नारा दऽ कऽ आर्थिक नीति प्रस्ताव कएलगेल अछि । ‘बी.पी. कोइराला कहने जँका ‘एक एक थोपा दूध नहि, कमसँकम एक–एक गिलास दूध’ सहितक अवधारणा अनुरुप उत्पादन वृद्धि आ न्यायोचित वितरण लक्षित समुदाय एवं पाछा परल वर्ग आ समूहमे पहूँचाबएके लक्ष्यतर्फ कांग्रेसके नीतिसभ उन्मुख होएत ‘ महत कहलन्हि ।
तहिना, स्वास्थ्य आ शिक्षाके गुणस्तरीय विस्तारक लेल ‘सभक लेल गुणस्तरीय स्वास्थ्य आ सभक लेल गुणस्तरीय शिक्षा’ के अवधारणाकेँ कार्यान्वयन करबाक सहितक विषय सेहो कांग्रेसक प्रस्तावित अहार्थिक नीतिमे उल्लेख अछि । केन्द्रीय समितिमे पेस भेल कांग्रेसक प्रस्तावित आर्थिक नीतिसँ उच्च उत्पादकत्वमे आधारित दिर्घकालीन आ पैघ आर्थिक वृद्धि कहने अछि ।
समतामुलक लोककल्याणकारी राज्य, रोजगारमुखी युवा केन्द्रित उद्यमशीलता, सार्थक वित्तीय संघीयता आ सदाचारयुक्त आर्थिक सुशासनकेँ प्रथमिकतामे राखि कऽ आर्थिक नीति तय कएलगेल संयोजक महत बतओलन्हि । मुदा संयोजक महत सरकारी आर्थिक नीतिके आलोचना कएने अछि । ‘वर्तमान सरकारक आर्थिक नीति आ क्रियाकलाप कानुनी प्रक्रियासभकेँ लत्यबैत नियन्त्रण, निषेध आ संस्थागत भ्रष्टाचारक रस्तामे आगा बढल अछि,’ महत कहलन्हि, ‘लगानीकर्तासभ असुरक्षित महसुस कऽ वैदेशिक लगानीमे ७५ प्रतिशत घटल, आन्तरिक लगानी बढ्ए नहि सकल आ पूँजी पलायनके संकेत देखलगेल अछि ।’
संयोजक महत बढ्ैतगेल व्यापार घाटा, अकासिंक व्याजदर आ उच्च करके मारसँ लगानी निरुत्साहित भेल उल्लेख करैत सरकार कहने समृद्ध नेपाल आ सुखी नेपालीके लक्ष्य कागजमे सिमित रहबाक निश्चित रहल उल्लेख कएलन्हि । वर्तमान सरकार प्रस्तुत कएने स्वेत–पत्र सत्य तथ्यकेँ तोडमरोड कएने आरोप लगबैत संयोजक महत कांग्रेस आब उच्च उत्पादकत्वमे आधारित दिर्घकालीन आ पैघ आर्थिक वृद्धिके लेल व्यापक स्वदेशी आ विदेशी लगानी लगएबाक बतओलन्हि । ओहिके लेल लगानी प्रक्रियाकेँ जिम्मेवारी सहितक विकेन्द्रीकृत एकद्वार प्रणाली लागू करबाक आ आयात प्रतिस्थापन करबाक उद्योग व्यवसायसभ संरक्षण करबाक नीति अख्तियार कएल जएबाक हुनकर कहब छन्हि ।
व्यापार घाटा कम कऽ स्वदेशी जलविद्युतके उपभोग बढाबए २०३० सँ पेट्रोलियम पदार्थमे आधारित यातायातक साधनके प्रयोग पूर्ण अन्त करैत घरायसी प्रयोजनमे विद्युत उपभोग बढाबएके नीति अख्तियार करबाक कांग्रेसक प्रस्तावित आर्थिक नीतिमे उल्लेख कएलगेल अछि । उर्जा क्षेत्रमे स्वदेशी विदेशी लगानी आकर्षित कऽ राष्ट्रिय आवश्यकता पूर्तिके सँगहि निर्यात बजारके विविधकरणसँ पाँच वर्ष भितर नेपालक सम्पूर्ण क्षेत्रमे विद्युतिकरण पूरा कएल जएबाक जनाओलगेल अछि ।

Have your say