Breaking-News

राराब क्याम्पसमे तालाबन्दी

Please follow and like us:

जनकपुरधाम २० गते ।कोनो समय देशमे नाम चलल जनकपुरधामके रामस्वरूप रामसागर बहुमुखी क्याम्पसमे अध्ययन अध्ययापनके माँग करैत विद्यार्थीसभ बेरबेर तालाबन्दी करैत आएल अछि । जनकपुरधामक सभसँ पुरान शैक्षिक संस्थाके रूपेँ परिचित राराब क्याम्पसमे अध्ययन नहि कऽ सकल कहैत पढ्ए पाबएके माँगसहित विद्यार्थी विगत तीन दिनसँ क्याम्पसमे तालाबन्दी कएलन्हि अछि ।
क्याम्पसमे अएला बादो सभदिन कक्षामे नहि पढि कऽ घुरएके बाध्यता रहल आ अपनासभकेँ भविष्य अन्धकारतर्फ धकेलैत गेला बाद प्रशासनके ध्यानाकर्षणके लेल क्याम्पस प्रमुखके कार्यकक्षमे तालाबन्दी कएला बादो सुनुवाई नहि भऽ सकल विद्यार्थी रोशन मिश्र बतओलन्हि । दसैँ, तिहार आ छठिक छुट्टीके बाद क्याम्पस सञ्चालन भेला बादो क्याम्पसमे प्राध्यापक नहि आएब, विद्यार्थी आबि गेला बादो ओहने घुरएके बाध्यताकेबीच आजित भऽ कऽ क्याम्पसके कार्यकक्षमे तालाबन्दी करए परल मिश्र उपराग सुनबेत छथि ।
ओसभ पठनपाठन नहि भेल क्याम्पसमे शौचालयके उचित व्यवस्था नहि रहल, खानेपानी, कक्षाकोठली व्यवस्थित नहि रहल, कक्षाकोठली ह्वाइट बोर्ड, मार्करसभक व्यवस्था नहि रहल कहैत विद्यार्थी आन्दोलित भेल अछि । अपनेसभ क्याम्पसमे नियमित पठनपाठन करए सकबाक नहि भऽ लेने पैसा क्याम्पस फिर्ताके माँग करैत ओसभ तालाबन्दी कएने क्याम्पसके दोसर विद्यार्थी नरेश ठाकुर बतबैत छथि ।
एम्हर क्यामपसके सहायक प्रमुख रामनरेश ठाकुर सम्बन्धित विषयके शिक्षक नहि रहालसँ कक्षा सञ्चालन करबामे कठिनाई रहल बतबैत छथि । नियमित क्याम्पस खुलला बादो पठनपाठन नहि भेलासँ क्याम्पस प्रमुख विजय लाल कायस्थ कानमे तेल राखि कऽ मौन बैसल आरोप अछि । क्याम्पसमे पठन–पाठन नियमित करबालेल क्याम्पस प्रशासन कोनो पहल नहि कएने विद्यार्थीके आरोप अछि । गत सोमदिन विद्यार्थी क्याम्पस प्रमुख रामनरेश ठाकुरकेँ सेहो कार्यकक्षमे थुनि देने छल । मुदा सोमदिन वार्ताके सहमति भेला बादो सोमदिन वार्तामे नहि आएल मंगलदिन आ बुधदिन सेहो आन्दोलनकेँ निरन्तरता देने विद्यार्थी रोशन मिश्रके कहब छन्हि ।

Have your say