Breaking-News

‘महन्थ ‘ब्राह्मणवादी’ ः राजपामे विवाद

Please follow and like us:

जनकपुरधाम २० गते ।राष्ट्रिय जनता पार्टी (राजपा) नेपालक अध्यक्ष मण्डलके एक अध्यक्ष दोसर अध्यक्षकेँ ‘ब्राह्मणवादी’ कहि आक्रोश व्यक्त कएला बाद पार्टीमे पैघ विवाद उठल अछि । मधेसी ६ राजनीतिक दल मिल कऽ राजपा गठन भेला बाद अध्यक्ष मण्डलके संयोजक रहल महन्थ ठाकुरकेँ अध्यक्ष मण्डलक सदस्य महेन्द्र राय यादव ‘ब्राह्मण’ के मात्र अवसर दऽ कऽ पार्टीकेँ ब्राह्मणवादी बनओने आरोप लगओला बाद विवाद उठल अछि ।
पार्टी एकीकरण भेला बाद प्रत्येक दु महिनामे बेराबेरी पार्टी अध्यक्ष मण्डलक सदस्यमेसँ एक गोटे संयोजक बनबाक सहमति भेल छल । मुदा, अध्यक्ष मण्डलक सदस्यसभक समझदारीमे ठाकुरकेँ संयोजक मानैत अएला बादो ४ अगहनमे बैठक संयोजकमे राजेन्द्र महतोकेँ चयन कएने छल ।
४ अगहनमे बैसल अध्यक्ष मण्डल बैठकमे अध्यक्षता कऽ रहल संयोजक ठाकुरकेँ दोसर सदस्य राय पार्टी कोनो लाभके पदमे ब्राह्मणकेँ मात्र अवसर देने कहैत आलोचना कएने छलथि । बैठकमे सहभागी एक सदस्यके अनुसार राय ‘राजपामे मधेसक कोनो जातिक आमीए नहि रहलजँका ब्राह्मणकेँ मात्र अवसर दऽ कऽ पाटीकेँ ब्राश्मण्के पार्टी बनाबएके प्रयास कएने बतओने छलथि ।
४ गते अगहनके बैठक बहुमतके आधारमे अध्यक्ष मण्डलक संयोजकमे महतोकेँ जिम्मेवारी देबएके निर्णय कएला बाद ठाकुर बैठकमे सहभागी नहि भेल अछि । महतो अध्यक्ष मण्डलके बैठक ९ गते रखने छलथि । ओहि दिन अध्यक्ष मण्डलक सदस्य राजकिशोर यादव गृहजिल्लासँ आबएमे ढिलाइ कएला बाद बैठक अनिश्चितकालक लेल स्थगित भेल छल ।
अपना उपर जातिपवादके आरोप लगला बाद रायसँग तम्साएल ठाकुर अपनाकेँ अपमानित कएलगे कहैत माफी माँगए पडत माँग कएलन्हि अछि । राय २ नम्बर प्रदेश सरकारक नीति आयोगक सदस्यमे सुरेन्द्र झा तथा पार्टीके महासचिव आ सहमहासचिवमे नियुक्त भेल मेसँ सभक पृष्ठभूमि तराई मधेस लोकतान्त्रिक पार्टी (तमलोपा) रहल आ अधिकांस ब्राहमण रहल कहैत आलोचना कएने छलथि ।
महन्थ ठाकुरकेँ अध्यक्ष मण्डलक सदस्य महेन्द्र राय यादव ‘ब्राह्मण’ केँ अवसर दऽ कऽ पार्टीकेँ ब्रश्मणबादी बनओने आरोप लगओला बाद पार्टी भितर विवाद उठल अछि । अपनाकेँ जातिवादी रहल आरोप लागल कहैत तम्साएल ठाकुरकेँ मनाबए अध्यक्ष मण्डलक संयोजक महतो आ दोसर सदस्य शरतसिंह भण्डारी बेरबेर पहल कऽ चुकल छथि । मुदा, अपन मन नहि मानने कहैत ठाकुर विभिन्न उपराग कएने आ माँग कएने बुझबामे आएल अछि । स्रोतक अनुसार ठाकुर अध्यक्ष मण्डलक संयोजक परिवर्तन कएलापर अध्यक्ष मण्डलक सदस्य अनिल झा असहमति जनओने, अपने संसदीय दलके नेता सेहो नहि रहलासँ आओर अध्यक्षसँ वरिष्ठ रहलासँ ओहीअनुसारक मर्यादाक्रम मिलाबए कहने अछि ।
निवर्तमान अध्यक्ष ठाकुरके माँग पूरा करबालेल महतो आ भण्डारी ठाकुरकेँ पार्टीके वरिष्ठ नेता, सर्वोच्च नेता या शीर्ष नेताके सम्मान देबएके विषयमे छलफल भऽ रहल अछि । ठाकुर महतो आ भण्डारीके अनुनय स्वीकार करैत १४ अगहनमे अध्यक्ष मण्डलके बैठकमे उपस्थित भेल छलथि ।
अपनाकेँ दाँत दुखलासँ समस्या भेल मुदा, बाहिर नकारात्मक सन्देश गेलासँ मात्र उपस्थित रहल कहैत ओसभ कनिको देर नहि बसि कऽ तुरन्त बाहर निकलल छलथि । ओ अपने पार्टी अध्यक्ष मण्डलक संयोजक महतोकेँ असहयोग नहि कएने कहि देखाबए मात्र आएल बतओने छलथि । पार्टी अध्यक्ष मण्डलक अनौपचारिक बैठकमे सहभागी भेल ठाकुर लगले लैनचौरस्थित भारतीय दूतावास गेल छलथि । स्रोतक अनुसार ठाकुर ओहि अवसरमे नेपालक लेल भारतीय राजदूत मञ्जिवसिंह पुरीसँग भेंट कएने छलथि । राजदूत जा कऽ घुरला बाद ठाकुर ओहिके बाद अपने भारत जएबाक सूचना महतोकेँ देने छलथि । स्रोतक अनुसार ठाकुर रविदिन उपचार करबालेल भारतस्थित मेदान्त अस्पताल गेल छथि ।
ठाकुरके गत वर्ष चैत अन्तिम सप्ताह हृदयके स्टेन राखलगेल छल । ठाकुर नियमित स्वास्थ्य इलाजक लेल भारत गेल पार्टी प्रवक्ता केशव झा बताए। राजपामे महतो, ठाकुर, राय, भण्डारी, राजकिशोर याादव आ अनिल झा कऽ ६ गोटे अध्यक्ष मण्डलमे अछि । राजपामे मधेसी समुदायमे सेहो ब्राह्मण समुदायक नेता मात्र अवसर पओने कहैत ठाकुर उपर आलोचना होइत आएल अछि । ठाकुर समूहक नेतासभ अध्यक्ष मण्डलक अन्य सदस्यसभ अपन निकटक, नातागोता आ जाति देख रहल आरोप लगबैत आएल अछि । अध्यक्ष मण्डलक सदस्य राय सेहो प्रदेश मन्त्रीमे अपन पुरान पार्टी तमसपासँ आएल रामनरेश राय यादवकेँ सिफारिस कएने छलथि ।

Have your say