Breaking-News

महन्थ बैकुण्ठ दास नियन्त्रणमे

Please follow and like us:

जनकपुरधाम २० गते ।जनकपुरस्थित रत्नसागर मन्दिरक महन्थ वैकुण्ठ दास पकराएल छथि । किर्ते जालजासी कऽ मठमन्दिरके जमिन बेचने आरोपमे महन्थ दासकेँ महानगरीय प्रहरी परिसर काठमाण्डू नियन्त्रणमे लेने अछि । जिल्ला अदालत धनुषा हुनकाँ नियन्त्रणमे लेबए लेल आदेश जारी कएला बाद ओ फरार भेल छलथि । अपराध अनुसन्धान व्यूरो आ जनकपुर प्रहरीके संयुक्त प्रयासमे पकराएल एसएसपी धिरज प्रताप सिंह जानकारी देलन्हि ।
जनकपुरधाम–८ स्थित हजारी जनक विद्यापीठके नाममे रहल जमिन महन्त दास आ हुनकर सहयोगी अशोक शर्मा मिलिभगतमे किर्ते कएने आरोप अछि । दासक सहयोगी शर्माकेँ प्रहरी एहिसँ आगुए नियन्त्रणमे लऽ चुकल अछि । साढे दु अर्बसँ अधिक मूल्य बराबरके विद्यापीठ भोगचलन करैत आबि रहल उपराग गुठीके ओ जमिन संरक्षक दास आ मोही शर्माकेँ बनओलगेल अछि । हजारी जनक विद्यापीठ भोगचलन करैत आबि रहल साढे दु बिघा जमिन महन्त दास नकली लालपुर्जा बना कऽ हडपने कहैत प्राचार्य विजय चौधरी अदालतमे मुद्दा दायर कएने छलथि । केन्द्रीय गुठी संस्थान विद्यापीठकेँ उपलब्ध करओने ओहि जमिनमे क्याम्पस व्यवस्थापन घेराबेरा कऽ भौतिक संरचना सेहो निर्माण कऽ चुकल अछि ।
२०५० सालसँ विद्यापीठ भोगचलन करैत आबि रहल सिट नम्बर १३५४÷१४ के कित्ता नम्बर ६२ के २ कठ्ठा ११ धुर तथा सिट नम्बर १३५४÷१५ के कित्ता नम्बर १, २, २८ आ ४९ के २ बिघा ८ कठ्ठा १४ धुर जमिन फर्जीलालपुर्जा बना कऽ महन्थ दासक सहयोगी शर्मा बेचएके प्रयास कएने रहथि ।

Have your say