Breaking-News

पेन्सन खाए लेल कर्मचारीके ६ प्रतिशत योगदान देबए पडत

Please follow and like us:

काठमाण्डू १९ गते । सरकार पेन्सनके दायित्व घटाबएजँका लओने निवृत्तभरण कोषक विषयमे अर्थसमिति दफावार छलफल सम्पन्न कएलक अछि । पेन्सन स्वरुप सरकारके देबए परएबला दायित्व बढैत गेल अवस्थामे ६ प्रतिशत कर्मचारीके आ ६ प्रतिशत सरकारके रकम सहित कोष स्थापना करबाक आ ओहि कोषसँ दायित्व पूरा करएजँका सरकार लओने विधेयक उपर समितमे मंगलदिन कएलगेल दफावार छलफलमे किछु उपदफा हटाबएके आ किछु बढाबएके सहितक निर्णय कएलगेल अछि । दर्ता १ सँ सांसद भरतकुमार शाह, दर्ता २ सँ रेखा शर्मा, यशोधा सुवेदी, अन्जना विशंखे आ विमला विश्वकर्मा दर्ता नं ३ सँ प्रेम शुवालके तीन संशोधनहसित दफावार छलफलके लेल अर्थसमितिमे पठाओलगेल छल ।
अर्थमन्त्री, अर्थमन्त्रालयक सचिव आ कानुन तथा न्याय मन्त्रालयक सचिवसिहत संशोधकर्तासभक राय लऽ कऽ अर्थसमिति निर्णय लेने अछि । विधेयकमे जम्मा भेल रकम पेन्सनके रुपमे लऽ जाएबला कर्मचारीके मृत्यु भेल तऽ इच्छुक व्यक्तिके शर्त राखलगेल छल । मुदा दफावार छलफलमे शर्त हटा कऽ पठाओलगेल अछि । सांसद भरतकुमार शाह इ शर्त नहि रखबाक चाही कहैत संशोधन प्रस्ताव दर्ता करओने छल । एहि विषयमे अर्थमन्त्री आ संशोधनकर्ता शाहके रायके बाद समिति शर्त हटओलक अछि ।

Have your say