Breaking-News

राजनीतिक मस्यौदाके प्रारम्भिक प्रस्ताब संयोजक निधिकेँ हस्तान्तरण

Please follow and like us:

काठमाण्डू १९ गते ।नेपाली कांग्रेसक नेता नरहरि आचार्य संयोजकत्वके राजनीतिक मस्यौदा लेखन समिति राजनीतिक प्रस्ताव मस्यौदा समितिक संयोजक सेहो रहल कांग्रेस उपसभापति विमलेन्द्र निधिकेँ मंगलदिन प्रारम्भिक प्रस्ताब हस्तान्तरण कएलक अछि । मस्यौदा लेखन समितिक संयोजक आचार्यसहित सदस्यसभक उपस्थितिमे पार्टी कार्यालय सानेपामे आयोजित कार्यक्रममे हस्तान्तरण कएलगेल अछि ।
ओहि अबसरमे संयोजक निधि प्रारम्भिक प्रस्ताब दु तीन दिन भितर राजनीतिक प्रस्ताब मस्यौदा समितिमे राखि कऽ छलफल कएल जाएत बतओलन्हि । ओ मस्यौदा समितिसँ अन्तिम रुप देला बाद जारी केन्द्रीय कार्य समितिके बैठकमे पेश करबाक उल्लेख कएलन्हि । ओहि अबसरमे लेखन समितिक सदस्यसहित कांग्रेस प्रबक्ता बिश्वप्रकाश शर्मा आ केन्द्रीय सदस्य जीवन परियारके सेहो उपस्थिति छल । कांग्रेस आगामी महासमिति बैठकमे प्रस्तुत कएल जाएबला राजनीतिक प्रस्ताब तैयार करबालेल उपसभापति निधिके संयोजकत्वमे १७ सदस्यीय समिति गठन कएने छल ।
समिति सातु प्रदेशमे जा कऽ राजनीतिक प्रस्तावमे समेट्एके बिषयमे अगहन पहिल सप्ताह सुझाब संकलन कऽ कऽ आएल छल । तिनु सुझाबकेँ समेट कऽ राजनीतिक प्रस्ताव तैयार कएलगेल अछि । जाहिमे नेपाली कांग्रेसके दर्शन, बर्तमान सरकारप्रतिके दृष्टिकोण, अन्य राजनीतिक दलप्रति कांग्रेसके धारणा, परराष्ट्र नीति सहितक बिषयकेँ राजनीतक प्रस्तावमे समेटलगेल राजनीतिक प्रस्ताब लेखन समितिक सदस्य सेहो रहल नेपाली कांग्रेस केन्द्रीय नीति तथा प्रशिक्षण प्रतिष्ठानक कार्यकारी निर्देशक पुरुषोत्तम दाहाल जानकारी देलन्हि । मूल समिति तैयार कएने राजनीतिक मस्यौदा केन्द्रीय समितिसँ पारित भेला बाद महासमिति बैठकमे प्रस्तुत कएल जाएत । अगहन २८ सँ राजधानीमे होबएबला नेपाली कांग्रेसक महासमिति बैठक पुस ३ गते धरि चलत ।

Have your say