Breaking-News

यातायात कार्यालय विवाद ः बर्दिवासमे आन्दोलन

Please follow and like us:

बर्दिवास १९ गते ।महोत्तरीके बर्दिवास स्थित यातायात ब्यवस्था सेवा कार्यालयकेँ निष्कृय बनाबएके चलखेल सुरु भेल आ प्रदेश नम्बर २ क प्रदेश सभा सांसद सुरीता कुमारी साह प्रदेश सभा बैठकमे देने अभिब्यक्ती फिर्ता लेबए माँग करैत बर्दिवासबासी आन्दोलित बनल अछि । आन्दोलनके घोषणा करैत बर्दिवास उद्योग बाणिज्य संघ तथा स्थानीयबासी पूर्वपश्चिम राजमार्ग १ घण्टाके लेल अवरुद्ध कएलन्हि अछि । आन्दोलनक कार्यक्रम बुधदिनसँ आओर सशक्त होइत जाएत संघर्ष समिति जनओलक अछि । राजमार्ग अवरुद्ध भेलासँ सयो सवारी साधन राजमार्ग क्षेत्रमे जकथक भेल छल । बर्दिवास स्थित यातायात कार्यालयकेँ चालक अनुमतिपत्र जारी करबालेल देने अनुमति हटाबएमे चलखेल भेल कहैत बर्दिवासबासी आन्दोलित भेल अछि । तहिना प्रदेश २ क प्रदेश सासंद सुरीता कुमारी साह प्रदेशसभाके सोमदिनक बैठकमे बर्दिवासमे रहल सभ सरकारी कार्यालय हटाबए पडत अभिव्यक्ती देने कहैत अपनेसभ आन्दोलित भेल बर्दिवास उद्योय बाणिज्य संघक अध्यक्ष प्रह्रलाद क्षेत्री जानकारी देलन्हि ।
प्रदेश सासंद साह सोमदिनक बैठकमे बाजएके क्रममे बर्दिवासके सभ कार्यालय जनकपुर आ जलेश्वरमे घुसकाबए पडत अभिव्यक्ती देने प्रदेश सांसद शारदा थापा जानकारी देलन्हि । बर्दिवासमे रहल सेवा कार्यालयकेँ जनकपुर आ जलेश्वर घुसकाबएके अभिव्यक्ती देब निन्दनीय रहल सांसद थापा बतओलन्हि । ओ अभिव्यक्ती फिर्ता नहि लेलगेल तऽ अपनेसभ कडा आन्दोलनमे उतरबाक संघर्ष समिति तथा उद्योय बाणिज्य संघ जनओलक अछि । बर्दिवास स्थित यातायात कार्यालयकेँ चालक अनुमतिपत्र जारी करबालेल देने अनुमति हटाबएके चलखेल बन्द करबालेल आ प्रदेश सांसद साह देने अभिव्यक्ती तत्काल फिर्ता लेबए माँग कएलगेल अछि तऽ दुनु फिर्ता लेबए आग्रह कएलगेल अछि ।

Have your say