Breaking-News

कानुनी राज्यके उपहास ः प्रधानमन्त्रीविरुद्धक उजुरी दर्ता अस्वीकार

Please follow and like us:

काठमाण्डू १९ गते ।प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओली क्रिस्चियन धर्म प्रचारमे सक्रिय भेल कहैत चौतर्फी आलोचना भऽ रहल अछि । एहिबीच प्रधानमन्त्री ओलीविरुद्ध धर्म परिवर्तनके उद्योग (कसुर) कएने आरोपमे कारबाही माँग करैत उजुरी देबए गेल अधिवक्ताकेँ प्रहरी धम्की दऽ कऽ फिर्ता पठओलक अछि । संविधानके धारा १(२ ) मे ‘एहि संविधानके पालना करए पडत प्रत्येक व्यक्तिके कर्तव्य होएत’ उल्लेख अछि । मुदा, प्रधानमन्त्री ओली संविधानविपरीत धर्म प्रचार करबाक प्रयास कएने, सरकारके स्वीकृतिबिना तक्मा तथा पुरस्कार देने कहैत उजुरी दर्ता कराबए महानगरीय प्रहरी परिसर टेकु पहुँचल अधिवक्ता भूपेन्द्रप्रसाद पोख्रेलकेँ महानगरीय प्रहरी प्रमुख वसन्त लामा उजुरी नहि लऽ कऽ घुरा देने अछि ।
अधिवक्ता पोख्रेल धर्म परिवर्तनके मतियार भऽ कऽ नेपालके संविधानविपरीत काज कएन्हिारकेँ कारबाही माँग कएलापर प्रहरी थुनि देने धम्की देने बतओलन्हि । ओ कहलन्हि, ‘प्रहरी एतह राजनीति करए आउत ? राजनीति करबाक अछि तऽ सडकमे जाउ, नहि तऽ थुनि देबाक कहि धम्की देलन्हि । कानुनविपरीत काज कएन्हिारकेँ कारबाहीके माँग कएलापर थुनि देबएके दिन आएल । ई तऽ कानुनी राज्यके उपहास भऽ गेल ।’
पोख्रेल प्रधानमन्त्री ओलीसँगहि युनिभर्सल पिस फेडरेसन (युपिएफ) के नेपाल अध्यक्ष तथा नेपाल परिवार दलक अध्यक्ष एकनाथ ढकालकेँ सेहो कारबाही करबालेल माँग करैत उजुरी दर्ता करबाक प्रयास कएने छलथि । मुदा, प्रहरी कानुनसँ अधिक पद देख कऽ उजुरी दर्ता लेबए नहि मानने अधिवक्ता पोख्रेलके आरोप छन्हि । ओ कहलन्हि, ‘संविधानके पालना करबाक हरेक नागरिकके कर्तव्य रहला बादो प्रधानमन्त्री आ मातहतके निकाय संविधान उल्लंघन कएने अछि ।’
महानगरी प्रहरी परिसर काठमाण्डूके प्रमुख एसएसपी वसन्त लामाकेँ बुझ्झएके प्रयास कएलापर रीत नहि पहूँचलासँ दर्ता नहि कऽ घुरा देने बतओलन्हि । ओ कहलन्हि, ‘ओहि उजुरीमे रीत नहि पहुँचलासँ कानुन शाखा फिर्ता कएने अछि ।’
संविधानविपरीत काज कएन्हिारकेँ सेहो कारबाही नहि होएत तऽ अपराधजन्य क्रियाकलाप बढ्बाक आ एहिमे राज्यके संरक्षण भेलासँ कानुनी राज्य उपर प्रहार हएबाक खतरा बढल अधिवक्ता पोख्रेल बतओलन्हि ।

Have your say