Breaking-News

राजपा सरकारसँ समर्थन फिर्ता लऽ रहल

Please follow and like us:

काठमाण्डू १९ गते ।राजपा नेपालक नेता लक्ष्मणलाल कर्ण आब चारि दिनक सरकारकेँ देने समर्थन फिर्ता लेबाक स्पष्ट कएलन्हि अछि । ओ कहलन्हि,‘ आब एहि सरकारकेँ समर्थन जारी राखएके औचित्य नहि अछि । हमरासभक पार्टीके आब बैसएबला बैठक समर्थन फिर्ता लेबएके निर्णय करत ।’ नेता कर्ण अपनेसभ सरकारमे जाए लेल एहि सरकारकेँ समर्थन नहि कएने सेहो स्पष्ट कएलन्हि । ंमगलदिन रिपोर्टर्स क्लब नेपाल आयोजना कएने साक्षात्कारमे ओ कहलन्हि,‘हमसभ तऽ संविधान संशोधन आ आन्दोलनक समय हमरासभक नेता तथा कार्यकर्ता उपर लगाओलगेल मुद्दा फिर्ता कराबए लेल एहि सरकारकेँ समर्थन देने छी । मुदा, दुनु विषयमे एखन धरि सरकार हमरासभसँग कोनो छलफल नहि कएने अछि । ताहिसँ आब समर्थन कायम राखएके औचित्य नहि अछि ।’
ओ वर्तमान सरकार पूर्ण रुपेँ असफल भऽ गेल सेहो आरोप लगओलन्हि । ओ कहलन्हि,‘सरकार कोनो निक काज नहि कऽ सकल अछि । स्थानीय सरकारमे एखन विकास रकमके चरम दुरुपयोग भेल अछि । वास्तवमे कहल जाए तऽ ई सरकार निक काज किछु नहि कऽ सकल अछि ।’
सरकार देशमे शान्ति, सुरक्षा आ अमनचयन सेहो कायम करए नहि सकल हुनकर आरोप छन्हि । कर्ण वर्तमान प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओली क्रिश्चियन धर्म प्रचार करबालेल योगदान देने आरोप लगओलन्हि ।

Have your say